नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

इनसाइट इंडिया न्यूज चैनल के चाही पत्रकार

अगर अहां न्यूज चैनल मे जॉब करय चाहय छी तं अहां लेल ई बड़ नीक मौका अछि. नोएडा सं एकटा नवका न्यूज चैनल शुरू होबय जा रहल अछि.

इनसाइट इंडिया नामक ई नवका चैनल उत्तर प्रदेश आओर उत्तराखंड पर केंद्रित रहत. एक तरहे कहि सकय छी ई रीजनल न्यूज चैनल अछि. मुदा दिल्ली-एनसीआर मे ऑफिस रहय के
कारण एहिठाम से चलय वाला रीजनल चैनल मे नेशनल पुट अपने-आप आबि जाएत अछि.

नोएडा मे एहि चैनल के ऑफिस आओर स्टूडियो बनिsक तैयार अछि आओर उम्मीद अछि जे एहि मास चैनल चालू भs जाएत. चैनलक ऑफिस आओर स्टूडियो लखनऊ, देहरादून आओर दिल्ली मे सेहो रहत.

चैनल के आउटपुट, इनपुट, वीडियो एडिटर, कैमरामैन, पीसीआर, स्टूडियो के लेल अनुभवी पत्रकारक जरुरत अछि. एकर मतलब ई नहि जे फ्रेशर आओर इंटर्न नहि चाही. फ्रेशर आओर इंटर्न सेहो अप्लाई कs सकय छथिन्ह. जतेक जल्दी होए अपन रिज्यूमे...बॉयोडाटा एहि ईमेल पर पठा दिऔ- insightinput@gmail.com

चैनल के यूपी आओर उत्तराखंड मे जिला-ब्लॉक स्तर पर स्ट्रिंगर सेहो चाही. अगर यूपी- उत्तराखंड में कतहुं रहय छी तं स्ट्रिंगर लेल सेहो अप्लाई क सकय छी.

अहां सभ के हमर शुभकामना...


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु