नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जनसत्ता के चाही पत्रकार

Indian Express Group के हिंदी अखबार जनसत्ता के नोएडा मे पत्रकार के जरूरत अछि. इंडियन एक्सप्रेस आओर जनसत्ता देश के सभसं सम्मानित अखबार मे सं एक अछि.

देशभर के पत्रकार सभ के ई अरमान रहैत अछि जे एहि ग्रुप सं जुड़ि कs पत्रकारिता करि. एहि हिसाब सं अहां सभ के लेल ई बड़ नीक मौका अछि.


अगर अहां डेस्क आ रिपोर्टिंग कोनो मे काज करय लेल इच्छुक छी तं देर नञि करि जल्दी सं अप्लाई करि दिअ.

जनसत्ता के एहन युवा आ जोश सं भरल पत्रकार के जरूरत अछि जे पत्रकारिता के एकटा मिशन मानेत होए... एकरा सीरियसली लैत होए. देश-दुनिया के लेल सोचैत होए.

अगर अहां के राजनीति, अर्थनीति, साहित्य, कला, संस्कृति, खेल या विज्ञान मे दिलचस्पी अछि आ एहि मे किछ नव कर चाहय छी तखन ई जॉब अहां लेल अछि.

संगे-संग अंग्रेजी सं हिंदी नीक सं ट्रांसलेशन आओर पेजमेकिंग के काज आबैत अछि तं सोना पर सुहागा... जल्दी सं अपन रेज्युमे एहि ई-मेल- editor.jansatta@expressindia.com पर भेज दिअ.

दिल्ली- एनसीआर मे रहय छी तं एकर ऑफिस मे जाsक सेहो अपन रेज्युमे जमा करा सकैय छी.
पता अछि-

जनसत्ता,
ए-8, सेक्टर-7,
नोएडा- 201301,
जिला- गौतमबुद्ध नगर
उत्तर प्रदेश

अप्लाई करय के लास्ट डेट अछि 20 नवंबर. ताही लेल जल्दी करब.अहां सभ के हमर शुभकामना.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु