नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मेरे मेहदी हसन



अपन मधुबनी के छथिन्ह अखिलेश झाजी. अखिलेशजी अखन विदेश मंत्रालय मे वरिष्ठ अधिकारी छथिन्ह. अखिलेशजी भारत सरकार मे कइटा महत्वपूर्ण पद पर काज कs चुकल छथिन्ह. बड़ नीक लोक छथिन्ह. मिथिलाक लोक सभ के मदद लेल सदिखन तैयार रहय छथिन्ह. कइटा किताब सेहो लिख चुकल छथिन्ह. हिनकर लेख प्रमुख पत्र-पत्रिका मे सेहो छपैत रहय छनि. पिछला दिन हिनकर एकटा आओर किताब आएल मेरे मेहदी हसन. हिनकर ई किताब रेमाधव प्रकाशन सं अछि. मिथिलाक लोक कथा पर आएल किताब सेहो रेमाधव सं छलन्हि.
मेरे मेंहदी हसन किताब हिंदी आओर उर्दू दुनू भाषा मे आएल अछि. जल्दीए अंग्रेजी मे सेहो आएत. एहि किताब के विमोचल कएलखिन्ह योजना आयोग के सदस्या डॉ सईदा हमीद. एहि किताब मे शहंशाह-ए-गजल मेंहदी हसन जीक छोट- छोट बात के ध्यान राखल गेल अछि. हुनकर जीवन यात्रा... संगीत के सफर के खूबसूरती सं शब्द मे उकेरल गेल अछि. एहि किताब सं हुनकर प्रशंसक सभ के हुनका बारे मे कइटा नवका चीज जानय लेल मिलतन्हि. एहि अवसर पर पाकिस्तान सं सेहो काफी लोक आएल छलखिन्ह. मेंहदी हसन के परिवार के लोक सेहो छलखिन्ह. मेंहदी हसन के पुत्र शहजाद हसन किताब के लs क काफी भावुक दिखलखिन्ह आओर अखिलेशजी के धन्यवाद देलखिन्ह. विमोचन के मौका पर गीत-संगीत ...गजल के कार्यक्रम सेहो भेल. मेंहदी हसन साहेब के पुत्र सज्जाद हसन सेहो हुनकर गजल सुनएलखिन्ह.
मेहदी हसन साहव के लोकप्रिय गजल मे ‘रंजिश ही सही’ ... ‘जिंदगी में तो सभी प्यार किया करते हैं’... ‘प्यार भरे दो शर्मीले नैन’ ...’रफ्ता-रफ्ता’… ‘शोला था’... ‘तेरे भीगे बदन की खूशबू से ‘… ‘सामने आ के तुझको पुकारा नहीं’ आओर ‘मुझे तुम नजर से गिरा तो रहे हो‘ शामिल अछि.




Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु