Skip to main content

पहचान बना रहल अछि सौभाग्य मिथिला



मिथिला... मैथिलीक पहिल चैनल सौभाग्य मिथिला लोक सभ के बीच धीरे-धीरे अपन पहचान बना रहल अछि. ई गप जरूर अछि जे केबल-डिश के कारण सौभाग्य मिथिला कई ठाम नहि दिख रहल अछि मुदा जेना –जेना लोक सभके एहि मैथिली चैनल के बारे मे पता चलय छनि वो अपन-अपन इलाका के केबल वाला सं एहि चैनल के देखाबय के मांग क रहल छथिन्ह. कई ठाम त लोक सभ अपन डिश लगा क एहि चैनल के देख रहल छथिन्ह.


एहि बीच सौभाग्य मिथिला पर कइटा नव नव कार्यक्रम सेहो शुरू भेल अछि. चैनल के कार्यक्रम प्रमुख कुमार शैलेन्द्रजीक कहनाय छनि जे एहि चैनल पर अपन मिथिलाक सभ्यता... संस्कृति... साहित्य आओर लोककला...लोककथा के ध्यान मे राखि कार्यक्रम तैयार कएल जा रहल अछि. जेहि् सं लोक के अपन माटि सं जुड़ाव बनल रहय. शैलेन्द्रजीक इहो कहनाय छलनि जे चैनल के पहुंच आब बढ़ि रहल अछि आओर लोक सभ के फीडबैक... चिट्ठी...प्रतिक्रिया सेहो खूब मिलि रहल अछि. चूंकि सौभाग्य मिथिला फ्री टू एयर चैनल अछि एहि लेल लोक के... केबल वाला के एकरा देखाबय मे सेहो कोनो दिक्कत नहि होबाक चाही.



सौभाग्य मिथिलाक किछ नीक कार्यक्रम मे सभ भाषाक गीत पर आधारित कार्यक्रम ‘भक्तिधारा’..नेपाल सं आबय वाला रोडशो ‘वाटेघाटे’... करियर पर आधारित कार्यक्रम ‘गुरुमंत्र’. युवा लोकनि मे ई कार्यक्रम के विशेष मांग छनि. एहि मे हुनका सभ के पढ़ाई-लिखाई... परीक्षा के तैयारी... जॉब के बारे मे जानकारी देल जाए छनि. मिथिला...मैथिली सं जुड़ल किछ प्रमुख लोक सभ सं मुलाकात पर एकटा कार्यक्रम छनि ‘आजुक पाहुन’. सौभाग्य मिथिला पर एकटा कार्यक्रम अछि ‘अपन गाम अपन शहर’ एहि मे अपन मिथिलाक गाम... कस्बा या फेर शहरक रपट रहैत अछि. एकटा नीक कार्यक्रम अछि ‘सुनू सरकार’ एहि मे मिथिलाक एमएलए... एमपी... जनप्रतिनिधि सं बातचीत होएत अछि जेहि मे हुनका सं जनताक आशा... अपेक्षा आओर आकांक्षा के बारे मे हुनकर उपलब्धि आओर नाकामी पर चर्चा कएल जाएत अछि. सौभाग्य मिथिला पर सभ सं लोकप्रिय कार्यक्रम अछि ‘गप्पी नं. 1’ हंसा कs लोटपोट करय वाला ई मैथिलीक पहिल रियलिटी शो अछि.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...