नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला. मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह.

प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह.
सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम के फेर से देख सकैत छी. कार्यक्रम के शुरूआत 5:55 पर पराति.. पतरा सं होएत. भोरक कार्यक्रम मे अहां भक्तिरस सं डूबल गीतक कार्यक्रम ‘फूलडालि’ ...’मैथिली मज़ा’... आधुनिक मैथिली गीतक कार्यक्रम ‘खटमिट्ठी’... प्रेमगीतक कार्यक्रम ‘सिंगरहार’... विद्यापतिक गीतक कार्यक्रम ‘भनहि विद्यापति’ आओर सभ तरहक मैथिली गीतक कार्यक्रम ‘रमन-चमन’ देखि सकय छी. सांझ मे मैथिली एलबमक गीत वाला कार्यक्रम होएत ‘मैथिली मिक्स मसाला’. सौभाग्य मिथिला ओना त अछि मैथिली चैनल मुदा एहि पर शुरू मे एक घंटाक भोजपुरी कार्यक्रम ‘भोजपुरी मिक्स मसाला’ सेहो होएत. किछ दिन के बाद मगही मे कार्यक्रम शुरू करय के सेहो विचार छनि. चैनल मे चंदा झाजीक रामायण... मैथिली गीतनाद आओर कइटा दोसर कार्यक्रम पर काज चलि रहल अछि. शैलेन्द्र जीक एकटा हंसी वाला कार्यक्रम ‘डियर भावज’ सेहो रहत. किछ दिन बाद ‘अंग्रेजी कका’... ‘सास-पुतोहु’ ओर ‘अटकन-भटकन’ नामक कार्यक्रम देखय लेल मिलत.
एकटा नबका प्रयोग ई रहत जे अहांके सांझ के कार्यक्रम मे गाम-घर मे जे महिला सभ गीत गाबय छथिन्ह बिना कोनो बैकग्राउंड म्यूजिक के... सेहो सुनय लेल मिलत ‘गीतनाद’ मे. एकरे संग ‘महेशवाणी’... ‘जय अंबेगौरी’ आओर गामघरक ‘कीर्तन’ सेहो देखय-सुनय लेल मिलत.
सौभाग्य मिथिला के अखन किछ परेशानी के सेहो सामना करय पड़ि रहल अछि. चैनल आबि जाएत मुदा कतहुं दिखबे नहिं करत त कि फायदा. केबल आओर डिश पर वितरण मे फच्चर फंसि रहल छनि. केबल आओर डिश वाला किछ बेसिए पाई मांगि रहल छनि. चैनल के खर्च के एकटा बड़का हिस्सा त डिस्ट्रीब्यूशन पर चलि जाएत अछि. एकरा सुलझाबय लेल सेहो प्रयास भs रहल अछि. ओना प्रफुल्लजी केबल वाला के सेट टॉप बॉक्स फ्री देबय लेल तैयार छथिन्ह. अहां सभ के सेहो चैनल देखय लेल अपन-अपन केबल ऑपरेटर पर चैनल देखाबय लेल दबाव बनाबय पड़त. जेहि सं कि अपन गाम –घर- टोल सं हेलो मिथिला जकां जुड़ल रहि.
किछ शिकायत सेहो आएल अछि जे चैनल के अधिकारी सभ मिथिलाक नाम पर लोक सं मुफ्त मे काज कराबय चाहैत छथिन्ह. आखिर अपन भाषा-गाम-घर-टोल सं प्रेम के मतलब ई नहि अछि जे अहां हुनका सं बेगारी कराबी. मुदा एहि बारे मे जखन शैलेन्द्रजी सं बात भेल त ओ एहि सं साफ इनकार कएलखिन्ह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे इंडस्ट्री के मुताबिक ओ सभ के पेमेंट कs रहल छथिन्ह. हां ई बात सच अछि जे ओ गीत-संगीत सं जुड़ल लोक के सिर्फ टोकन मनी दs रहल छथिन्ह. आबय-जाय के खर्च द रहल छथिन्ह. किएक त हुनका सेहो चैनल के मार्फत अपन प्रचार मिलतन्हि. लोक के बीच हुनका पहुंचय के मौका मिलतन्हि. ओना एकटा गप त अछि जे कोनो नीक काज शुरू भेलाह पर दस तरहक बात सेहो उड़ैत अछि. भS सकैत अछि किछ लोक खोंच लगाबय लेल ई हल्ला उड़ाबैत होएथिन्ह. जे होय हमरा सभ के त सौभाग्य मिथिलाक इंतजार अछि. चैनल के किछ नीक लोक के सेहो जरूरत छनि . अगर अहां मैथिली मे काज करय चाहैत छी त सम्पर्क के पता अछि-
सौभाग्य मिथिला
ए-6/1, मायापुरी फेज -1
नई दिल्ली-110064
फोन- +91-99905-94444.
Bookmark and Share

21 टिप्‍पणियां:

  1. I hope that the new channel will air some better programes rather dance and sing copetitions, through which a child knows many things but nothing related to science and literature.

    Gone are the days when we used to watch several classics on Doordarshan. Here In televisión Española there are certain progames, but most of them are dubbed of american counterparts. i enjoy watching Mogli in español, but gulzar´s dialogues are missing.

    Radio is far better, as always.

    जवाब देंहटाएं
  2. HITENDRA JI ,namaskaar,
    ehi KHOOSH-KHABRI,K lel ahan ke dil s,a dhanyawaad dait chhi. sanghai hamra lel ek naya jankari seho bhetal je ham MAITHIL-GAN [ PANCH KAROR ]CHHI LAM-SAM , bahut khoosh bhelao. ahan ke pher dil s,a dhanyawaad.
    prabandha
    manigachi
    darbhanga

    जवाब देंहटाएं
  3. Prabhandh jee. ahank patra barabar milait rahait achhi... ahank patr paabi man khush bha jaayat achhi. ehina utsaah barhaabait rahiyau...sange sange agar apna dis ke kono neek khabar hoi ta hello mithilaa ke jariye sabh lok ke saath baantai ke koshish kariyau

    dhanyawad
    hitendra gupta

    जवाब देंहटाएं
  4. हाँ हितेन्द्र जी। १५ जून २००९ केँ दू गोटय दिल्ली सँ आबि हमरो सँ सम्पर्क केने रहथि स्थानीय चैनल पर प्रसारण हेतु संचालक पर स्थानीय लोकक दबाव बनाओल जाय ताकि हर शहर मे प्रसारण संभव हो। हम सब कोशिश मे लागल छी। सचमुच इ हर्षक बात छी आ हमरा हिसाब सँ सभ केँ खुलिकय एहि कार्य मे योगदान देबाक चाही।

    सादर
    श्यामल सुमन
    09955373288
    www.manoramsuman.blogspot.com
    shyamalsuman@gmail.com

    जवाब देंहटाएं
  5. bahut khushi ke gapp..
    maithili bhashak vikas yehi madhyam san mumkin achhi... maithilik vikas vanai ati-avyasak achhi..aa ekar vikas me mithilavasik yogdan aham achhi... yehi bhaa ke dalan san utha ka barka manch par kara kanai bahut jaruri achhi... yehi san mithilak sanakriti ke seho vikas hoit..

    Ravi shekhar pandey
    www.deepakshekhar.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं
  6. bahut nik gapp...
    maithili bhasak vikas lel kichh yehi rupe kadam uthabak jaruri achhi....
    maithilik vikas nahi hoba me ham maithil sab kasurbar chhi..
    yehi lel aab maithil loknik jaruri achhi.
    Ravi shekhar pandey
    www.deepakshekhar.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं
  7. Himanshu jee lekh mein Saubhagya Mithila ke office ke phone no seho del gel achhi ahan hunka san sampark k sakai chhee... o ahank ilaqa ke cable operator ke set top box free mein da detaah... jehi ke baad ahan Saubhagya Mithila sekhi sakai chhee

    dhanyawad

    जवाब देंहटाएं
  8. परम आदरणीय
    श्री हितेंद्र जी
    अपनेंके माध्यमे हम समस्त हेल्लो मिथिला ब्लॉग टीम के एतेक सुंदर ब्लॉग निर्माण हेतु शुभकामना दैत छी I ख़ास क' जखन जखन नव नव समाचार अद्यतन करैत छी त' मन प्रफुल्लित भ' जाइत अछि I दिल्ली में वर्ष २००४ में प्रवेश केलहुं तहिये स' मोनक मनोरथ छल जे एकता हमरो लोकनिक वास्ते मैथिली चैनल रहैत त' आनंद उठबितौं I आइ सेहो सपना पूरा भेल आ समस्त सौभाग्य मिथिला टीम के हमर हार्दिक शुभकामना I

    http://manishjha1.blogspot.com
    e-mail-manishkjha@ymail.com

    जवाब देंहटाएं
  9. परम आदरणीय
    श्री हितेंद्र जी
    अपनेंके माध्यमे हम समस्त हेल्लो मिथिला ब्लॉग टीम के एतेक सुंदर ब्लॉग निर्माण हेतु शुभकामना दैत छी I ख़ास क' जखन जखन नव नव समाचार अद्यतन करैत छी त' मन प्रफुल्लित भ' जाइत अछि I दिल्ली में वर्ष २००४ में प्रवेश केलहुं तहिये स' मोनक मनोरथ छल जे एकता हमरो लोकनिक वास्ते मैथिली चैनल रहैत त' आनंद उठबितौं I आइ सेहो सपना पूरा भेल आ समस्त सौभाग्य मिथिला टीम के हमर हार्दिक शुभकामना I

    http://manishjha1.blogspot.com
    e-mail-manishkjha@ymail.com

    जवाब देंहटाएं
  10. HAMAR NAME SANTOSH KUMAR JHA ' SHONBABU JHA' AICH. HAMAR GAM PHENT AICH. E BASOPATTI BLOCK ME PARAIT AICH. MADHUBANI SE LAGBHAG 20 K. M. AICH. ONA HUM RAIT CHI DHANBAD { JHARKHAND}ME RAHAIT CHI. HAM JHARIA KE BAGAL ME BASTACOLLA ME RAHAIT CHI. RAKSHA BANDHAN DIN KOYLA NAGAR GEL RAHI TO PATA CHALAL JE BAHUT HARSHK GAPP AICH JE SOUBHAGYA MITHILA CHAINEL KE SURUAAT BHAI GEL. ONA HUMAR CABLE WALA EKAR PRASARAN NAHI KA RAHAL AICH.

    S. K. JHA.
    09708507674.

    जवाब देंहटाएं
  11. bhahoot badhian, bhaijee, aab hum sab mithilawasi, ja door ddor rah rahal achhi, chahe kolkata me aa kerala me, sab lel aita ago khuskhabri. bas ghark yad abte aaekh bhar abey chai. jaldi aabu, hamro ghar

    Manoj 'Manu'

    जवाब देंहटाएं
  12. Oye par bahut badhiya program sab shuru hoye ke aasha seho acchee.... kiyo kahai chhalaith je ek ta serial aabai bala chhai "GAPPI NUMBER EK"......

    Mithila manthan

    जवाब देंहटाएं
  13. hitendra ji namaskar,ham gugaon me rahait chhi ,ahi tham ahan ker karyakaram nai dekhaba me abait achhi.ahi tham nai balki janakpuri me seho nai se jantab deb aur asha achhi ki ahan ei samsya ker samdhan dis dyan deb.

    Rahul Kishor Jha

    जवाब देंहटाएं
  14. HUMAR GHAR BHEL JHANJHARPUR NAVTOL AUR HUMAR NAM BHEL SANJEEV KUMAR JHA S/O SHRI BHUVENESHWAR JHA HUM CHAHET CHHI JE HUMRO GAUN KE DURA MANDIR KALI MANDIR AUR S/H BADIYNATH MISHRA (BAUA MASTER SAHAB)KE BARE ME TV PAR VIDEO AUR PHOTO BROADCAST KARI KE KAST KARU.
    HUMAR DOST KE NAM CHHI SUMAN KUMAR JHA NAND JI PINTU MUNNA PANKAJ DAYABAU (RAMA JHA).

    जवाब देंहटाएं
  15. Namsakaar,

    Hum Indirapuram Ghaziabad me rahi rahal chhii. laking hum sab ke e maithali channel nahi dekhba ke absar bhel haan. matlab, e channel Ghaziabad mein nahi uplabdh chaii. Se Production team se request acchi ki e issue ke dekhi aa humho sab e maithali channel dekh saki.

    Dhanyabaad.
    Suresh Rana

    जवाब देंहटाएं
  16. यौ, ई चैनल DTH पर कहिया एतैक| बिना ओकर त' हमरा जकां प्रवासी सभ के "सौभाग्य मिथिला" देखय के सौभाग्य कोना भेटत|

    जवाब देंहटाएं
  17. ham ek natak kalakar chhi , ek ber humro sabke moka del ja...
    saubhagye mithila me kam ka rai ke lele
    bher milay chhhi
    Deepak Karn
    9899632717

    जवाब देंहटाएं
  18. mai DEEPAK KAMAT mithila chetra tamuria gaon ka rahne wal hu shobhagya channel ne jis muhim ki shruaat ki uske liya me poori team hardik swgat karta hu hamera samaz ko age barghne ke liya acchi shruaat hai

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु