नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सहरसा मे हुड्डा

सहरसा मे सोनबरसा के शाहपुर मे हरियाणा के मुख्यमंत्री भूपिंदर सिंह हुड्डा सोम दिन 149 टा घर लोक के सौंपलखिन्ह. ई सभ घर शाहपुर के मुसहरी टोल मे बनाएल गेल अछि. पिछला साल कोसी मे आएल बाढ़ि के बाद हरियाणा सरकार मुसहरी टोल के गोद लेने छल. ई सभ 149 टा घर हरियाणा सरकार के तरफ सं बनाएल गेल अछि. हुड्डा जी ओकरे बाढ़ि पीड़ित के सौंपए आएल छलखिन्ह. बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो हुनका संग आएल छलखिन्ह. मुसहरी के दु टोल मे करीब ड़ेढ हजार लोक रहैत छथिन्ह. मुसहरी टोल सहरसा शहर सं करीब 25-26 किलोमीटर दूर अछि. टोल सं रोड तक पहुंचय के लेल पहिने कच्ची सड़क छल जे आब पक्की भs गेल अछि. टोल मे पक्का शौचालय सेहो बनाएल गेल अछि. चौदहटा हैंडपम्प लगाएल गेल अछि. सौर ऊर्जा सं चलय वाला लाइट सेहो लगाएल गेल अछि. मुदा किछ लोक के ई आरोप छनि जे एहि मे काफी गोलमाल सेहो भेल अछि. पहिने स बनल इंदिरा आवास योजना वाला मकान के मरम्मत आओर रंग-पोइत कs नबका जकां करि देल गेल अछि. लोक के कहनाय छनि जे अखनो कइटा एहन घर अछि जकर पूरा मरम्मत नहि भेल अछि. प्लास्टर उदड़ल अछि आओर मिस्त्री सभ ओकरा ठीक करय मे लागल अछि. पूरा प्रोजेक्ट करीब डेढ़ करोड़ रूपया के अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु