नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा में तारामंडल खुलत

मिथिला के सभ लोकनि के लेल खुशी के खबर अछि. अहांक अपन दरभंगा में तारामंडल बनत. अखन बिहार में सिर्फ पटना में एकटा तारामंडल छै. खबर छै जे विश्वस्तरीय... अति आधुनिक बनय वाला एहि तारामंडल पर करीब 50 करोड़ रुपया के खर्च आयत. किछ लोकक कोशिश ई छलन्हि जे ई तारामंडल मुजफ्फरपुर में खुलय. मुजफ्फरपुर बिहार के केन्द्र में छै. मुदा पढ़ाई... लिखाई... शिक्षा के क्षेत्र में आगा रहय के फायदा दरभंगा के मिलल. दरभंगा में दु- दुटा विश्वविद्यालय... ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय... कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय अछि. दरभंगा मेडिकल कॉलेज आओर अस्पताल... आयुर्वेदिक कॉलेज... डेंटल कॉलेज... डब्ल्यूआईटी... पॉलिटेक्निक... पीटीएस... टीचर ट्रेनिंग कॉलेज जकां क्षण संस्थान होवाक कारणे दरभंगा के नाम आगा रहल. आओर तारामंडल दरभंगा में खोलय के फैसला कएल गेल अछि. तारामंडल के खोलय के मकसद विद्यार्थी सभ के बीच विज्ञान के लोकप्रिय बनयबाक छै.
बा नहिं सरकार के कोशिश दरभंगा में साइंस म्यूजियम सेहो खोलय के छै. अखन दरभंगा में स्टेशनक बगल में एकटा म्यूजियम अछि जाहि में कइटा दुर्लभ चीज अहांके देखय लेल मिल जायत. बिहार सरकार के तरफ सं तारामंडल खोलय के लेल प्रक्रिया शुरू कए देल गेल छै आओर जरूरी दिशा निर्देश सेहो जारी कए देल गेल छै. सरकार के एकरे संग सभ जिला में विज्ञान केन्द्र खोलय के प्रस्ताव सेहो छै.

1 टिप्पणी:

  1. Nice Post !
    Use a Hindi social bookmarking widget like PrachaarThis to let your users easily bookmark their favourite blog posts on Indian bookmarking services.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु