नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Photos: दिल्ली मे मैथिली पोथी आ पत्र-पत्रिका केर उपलब्धता

दिल्ली मे मैथिली पोथी आ पत्र-पत्रिका केर उपलब्धता लेल एकटा केंद्रक शुभारंभ शीघ्र होएत. एहि पर मैथिली साहित्य महासभाक एकटा विचार गोष्ठी दिल्ली के शकरपुर मे संपन्न भेल.

एहि गोष्ठी मे मैथिली पत्र-पत्रिका-पोथी आदिक उपलब्धता लेल एकटा स्थान निहित कैल गेल अछि- एलएन मिडिया नेटवर्क, एमबी-57बी, गली नंबर-२, मैलोरंग
बिल्डिंग, शकरपुर, अग्रवाल भवन के पास, नई दिल्ली. (नजदीकी मेट्रो स्टेशन- निर्माण विहार)

मैथिली साहित्य महासभाक स्थापना बाद ई पहिल बैसार छल.

दिल्ली मे रहय वाला 30 लाख सं ऊपर मैथिल जनमानस के अपन भाषाक पोथी आ पत्र-पत्रिका उपलब्ध होए ई निर्णय हितेंद्र कुमार गुप्ता,अमर नाथ झा आ संजीव सिन्हा जीक प्रयास सं संभव भेल.

सब व्‍यवस्‍था बनि गेल अछि. अगर अहां पत्र-पत्रिका आ पोथी केर प्रकाशन करय छी. आ फेर अहांक अपन पोथीक प्रकाशन भेल अछि तं अहां अपन पत्रिका आ पोथी एहिठाम पठा सकय छी.

अहां अपन पत्र-पत्रिका आ पोथी एहि पता पर पठा सकय छी-
एलएन मीडिया नेटवर्क,
एमबी-57 बी, गली नं-2, मैलोरंग बिल्डिंग,
शकरपुर, अग्रवाल भवन के पास,
नईदिल्ली- 110092,
नजदीकी मेट्रो स्टेशन निर्माण विहार.

एहिठाम पत्र-पत्रिका आ पोथीक स्टॉक भs गेलाह के बाद अहां सभ के सूचित क देल जाएत. उम्मीद अछि एहि मास के आखिर तक पत्र-पत्रिका आ पोथीक स्टॉक बनि जाएत.

अगर अहां सभ के पास मैथिलीक पत्रिका आ किताब अछि तं एहि ठाम गिफ्ट सेहो क सकय छी. अमित चौधरी जी एहि केंद्र मे पोथी राखय लेल एकटा अलमारी देबय के घोषणा कएलखिन्ह.

हितेंद्र कुमार गुप्ता, अमरनाथ झा, संजीव सिन्हा, अमित चौधरी, संजय नागदह, रमानाथ झा, मनीष झा बौआभाई, हेमंत झा,सतीश वर्मा सहित अनेको अभियानी लोकनिक संयुक्त योगदान सं बैसार पूरा कैल गेल. गोष्ठी मे तय भेल जे आब मासक आखिरी गुरुवार के सांझ पांच सं सात बजे धरि एकटा बैसार होएत.

एहि गोष्ठी मे दिल्ली मे पोथी आ पत्र-पत्रिकाक उपलब्धता लेल एकटा बिक्रय केंद्र केर शुभारंभक निर्णयक संग आगामी ३१ मई, २०१५ रवि दिन एक-दिवसीय कविता कार्यशालाक आयोजन करबाक फैसला सेहो कैल गेल.

कविता कार्यशाला लेल एकटा संयोजन समिति बनाएल गेल. एहि मे विजय झा, संजय नागदह, विनीत उत्पल आ मनीष झा बौआभाई के शामिल कएल गेलन्हि.

संगहि संग एहि गोष्ठी मे विराटनगरक अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-2015 केर उपलब्धि आ मैथिली महायात्रा सँ जोड़ल जा रहल देश-विदेशक मैथिलक योगदान पर सेहो चर्चा भेल.

गोष्ठीक किछ फोटो-
















1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु