नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

IIMC लेल फॉर्म भरनाए शुरू

दुनिया भर मे पत्रकारिता के पढ़ाई लेल मशहूर Indian Institute of Mass Communication- IIMC मे फॉर्म भरा रहल अछि. अगर अहांक सपना एहि institute सं पढ़ाई के...प्रशिक्षण पाबय के अछि तं ई साकार भs सकैत अछि.

IIMC सं हिंदी आओर अंग्रेजी पत्रकारिता कोर्स के संग अहां Radio &
Television Journalism आओर Advertising and Public Relations मे पीजी डिप्लोमा कोर्स कs सकय छी.

कोर्स 10 मासक अछि आओर अगर अहां स्नातक छी आ होए वाला छी तखन फॉर्म भरि सकय छी.

पत्रकारिता कोर्स करय सं पहिने अहां के Entrance Test देबय पड़त. टेस्ट 31 मई के देश भर के कइटा सेंटर मे होएत. एहि मे पास करला के बाद अहांके एकटा इंटरव्यू सेहो होएत.

फॉर्म खरीदय आओर जमा करय के अंतिम तारीख आठ मई अछि. फॉर्म लेबय लेल अहां के जनरल कटेगरी मे 1200 टका के... जखन कि SC/ST/OBC/PH कटेगरी मे 1100 टका के डिमांड ड्रॉफ्ट लागत.

अहां फॉर्म IIMC जाs क आ फेर डाक सं सेहो मंगा  सकय छी.

एहि लिंक के क्लिक करि अहां बेसि जानकारी पाबि सकैत छी. http://www.iimc.nic.in/

हमहुं एहि संस्थान सं पढ़ाई करने छी ताहि लेल कोनो बेसि जानकारी के जरूरत होए तं कमेंट करि अपन विचार राखि सकैत छी.

दिल्ली केर पता अछि-
IIMC,
Indian Institute of Mass Communication
Aruna Asaf Ali Marg
JNU Campus
New Delhi-110067
www.iimc.gov.in



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु