नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैट्रिक के मॉडल पेपर जारी

बिहार मे मैट्रिक बोर्ड परीक्षा लेल मॉडल पेपर जारी करि देल गेल अछि. बिहार मे मैट्रिक के परीक्षा 17 मार्च सं होए वाला अछि.

एहि बेरक बोर्ड परीक्षा मे करीब 15 लाख विद्यार्थी के शामिल होए के उम्मीद अछि.

बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के तरफ सं हिंदी आओर उर्दू के विद्यार्थी के लेल मॉडल पेपर के दूटा सेट जारी कएल गेल.

मॉडल पेपर मे सभ सब्जेक्ट के प्रश्नक पांच-पांच सेट
अछि. मॉडल पेपर मे प्रश्नक संग ओकर उत्तर सेहो द देल गेल अछि जेहि सं कि विद्यार्थी के कोनो परेशानी नञि होए.

बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के तरफ सं मॉडल पेपर की 10 लाख कॉपी जारी कएल गेल.

एहि मॉडल पेपर सं विद्यार्थी सभ के इहो पता चलतन्हि जे बोर्ड परीक्षा मे कोन तरहक प्रश्न रहि सकैत अछि.

पहिनहिं सं ओहि तरहक तैयारी रहला सं विद्यार्थी सभ परीक्षा मे नीक मार्क लाबि सकय छथिन्ह.

तं मैट्रिक परीक्षा देबय वाला विद्यार्थी सभ के शुभकामना...नीक अंक सं परीक्षा पास करु.




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु