नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

URGENT- राज्यसभा टीवी मे बंपर वेकैंसी

राज्यसभा टीवी के लेल तमाम पोस्ट पर वॉक इन इंटरव्यू होबय वाला अछि. वॉक इन इंटरव्यू 17, 18 आओर 19 दिसंबर के होए वाला अछि.

अगर अहां टीवी चैनल मे काज करय चाहय छी तं ई अहांक लेल बड़ नीक मौका अछि. कोनो लिखित परीक्षा नञि... डॉयरेक्ट इंटरव्यू.

राज्यसभा टीवी मे Senior Anchor (English), Anchor (Hindi), Senior Producer (English आओर Hindi), Producer (English आओर Hindi) आओर Copy Editor (New Media) के लेल ई वॉक
इन इंटरव्यू होएत.

इंटरव्यू Rajya Sabha Television, 12-A Gurudwara Rakab Ganj Road, New Delhi-110001 ऑफिस मे होएत.

इंटरव्यू के लेल अहां पहिने सं भरल आवेदन पत्र ल जाएब. संगहि संग जतेक सर्टिफिकेट अछि ओकर फोटोस्टेट जरूर ल जाएब. फोटोस्टेट सेल्फ अटेस्टेट होबाब चाही.

आवेदन पत्र फॉर्म आओर बेसि जानकारी लेल अहां एहि लिंक के क्लिक करु-
RSTV Walk-in-Interviews

कोनो दिक्कत होए तं एहि साइट पर सेहो देखि सकय छी. राज्यसभा टीवी वेबसाइट- RSTV

अहां सभ के हमर शुभकामना...


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु