दिल्ली मे रविदिन मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली मे रविदिन 30 नवंबर के मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मनाओल जा रहल अछि.

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह के आयोजन हर सालक जकां अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं भ रहल अछि.

एहि अवसर पर मिथिला मैथिलीक लेल विशेष योगदान देनिहार लोक सभ के सम्मानित कएल जाएत.

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह के दौरान अहां सांस्कृतिक कार्यक्रम के आनंद सेहो उठा सकय छी.

हरिनाथ झाजी, रंजना झाजी, कुमारी अंजू जीक झमकौआ
गीतक आनंद क संग अहां नलिनी चौधरी जीक नृत्य पर झूमि सेहो सकय छी. अहां के ठहाका लगाबय लेल खट्टर ककाक तरंग सेहो अछि.

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मे अपन मिथिला सं जुड़ल एमपी, एमएलए, नेता आ प्रमुख लोक सेहो मौजूद रहताह.
मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह दिल्ली के फिक्की ऑडिटोरियम मे भ रहल अछि. ई मंडी हाउस मेट्रो स्टेशन के पास अछि. एहि लेल अहिठाम आबए-जाए मे कोनो दिक्कत नहि होएत.

कार्यक्रम दिन के 02 बजे सं राति के 10 बजे धरि तक चलत.

एहि मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मे आबि अपन गाम घर दिसक लोक सं सेहो मिल- जुलि सकय छी.

कोनो दिक्कत होए तं अहां अखिल भारतीय मिथिला संघ के पदाधिकारी के 9850461788 आओर 9717539000 फोन नंबर पर बात क सकय छी.

तखन भेंट करय छी समारोह मे...

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)