अखन चुनाव भेल त गेलाह नीतीश

बिहार मे बीजेपी सं नाता तोड़नाय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक लेल भारी पड़ि सकैत अछि. दोबारा मुख्यमंत्री बनला पर बिहार मे नीतीश जी अपना के विकास पुरुष मानि अहंकार सं भरय लगलाह.

मुदा एहि टाइम जे चुनावी सर्वे सभ आबि रहल अछि ओहि सं लगि रहल अछि जे अगर अखन चुनाव भेल तं नीतीश जीक पार्टी के सफाया भ सकैत अछि.

नीतीश जीक नेतृत्व वाला बीजेपी-जेडीयू सरकार जखन छल तखन
सरकार के बीजेपी मंत्री के प्रदर्शन नीक छल आ ओहि मंत्री सभ के हटला के बाद सरकार के कामकाज पर असर पड़ल अछि.

जेडीयू के मंत्री के प्रदर्शन नीक नहि भ पा रहल अछि आ कई मौका पर मंत्री-विधायक के उलट-सुलट बयानबाजी सं सरकार के फजीहत सेहो भेल अछि. चाहे ओ सेना के शहीद वाला मुद्दा होए...मिड डे मील वाला होए आ फेर गांधी मैदान मे मोदी के सभा मे फेल ब्लास्ट वाला.

एबीपी न्यूज-नील्सन के ताजा चुनावी सर्वे के मुताबिक अगर अखन चुनाव भेल तं राज्य के 40 मे सं बीजेपी 24 सीट जीत सकैत अछि. सर्वे के अनुसार नरेंद्र मोदी के मैजिक बिहार मे सेहो चलि रहल अछि आओर एहि कारण बीजेपी के 12 सीट के फायदा भ सकैत अछि.

पैघ-पैघ बात करय वाला नीतीश जीक पार्टी के मुश्किल सं 6 सीट मिलैत दिख रहल अछि. हुनका राज्य मे 14 सीट के नुकसान भ रहल छनि.

सभ सं चौंकाबय वाला बात ई अछि जे पूर्व मुख्यमंत्री लालू यादव जीके एक सीट के फायदा के संग पांच सीट मिल सकैत अछि. एक सीट के फायदा एलजेपी के रामविलास पासवान के सेहो दिख रहल अछि. पिछला चुनाव मे हुनका एको सीट नहि मिलल छलन्हि.

एकरे संग बिहार मे राहुल गांधी के कोनो असर नहि दिख रहल अछि. पार्टी के पिछले जकां दू सीट मिल सकैत अछि.

Comments

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

किछ हरायल शब्द

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

अहां केना सहैत होएब ?

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव