नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नवाज शरीफ के बिहार आबय के न्योत देलखिन्ह नीतीश

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पाकिस्तान के प्रधानमंत्री बनय जा रहल नवाज शरीफ के बिहार आबय के न्योत देलखिन्ह.

हाल मे भेल आम चुनाव मे नवाज शरीफ केर पार्टी पाकिस्तान मुस्लिम लीग-एन के मिलल भारी जीत पर बधाई दैत हुनका बिहार आबय के न्योत देलखिन्ह.

पिछला 13 मई के नवाज शरीफ के भेजल चिट्ठी मे
नीतीश जी ई न्योत देलखिन्ह.

पिछला साल 15 नवंबर के जखन नीतीश जी पाकिस्तान गेल छलखिन्ह तं नवाज शरीफ सं मिलल छलखिन्ह. चिट्टी मे ओहि मुलाकात के जिक्र करैत नीतीश जी कहलखिन्ह जे अहांक जीत सं भारत-पाकिस्तान के संबंध आओर बेहतर भ सकैत अछि.

नवाज शरीफ के भेजल पत्र मे ओ इहो कहलखिन्ह जे पाकिस्तान यात्रा के समय सेहो ओ हुनका बिहार आबय के न्योत देने छलखिन्ह आब ओहि न्योत के फेर सं भेज रहल छथिन्ह.

नीतीश जी नवाज शरीफ के संग क्रिकेट खिलाड़ी सं नेता बनल इमरान खान से सेहो बिहार आबय के न्योत देलखिन्ह.

तहरीक ए इंसाफ पार्टी अध्यक्ष इमरान खान के भेजल पत्र मे नीतीश जी लिखने छथिन्ह जे लोकतंत्र के लेल मजबूत विपक्ष के होनाए जरूरी अछि आओर ओ एकरे संग दुनू देश के बीच संबंध के बेहतर बनाबय मे मददगार साबित भ सकय छथिन्ह.

इमरान खान चुनाव प्रचार करैत लिफ्ट सं गिरsक घायल भ गेल छलखिन्ह. अखन हुनकर अपने बनाएल अस्पताल मे इलाज चलि रहल छनि. मुख्यमंत्री जी हुनकर जल्द स्वास्थ्य लाभ के सेहो प्रार्थना करलखिन्ह.

नीतीश जी जखन पाकिस्तान गेल छलखिन्ह तखन इमरान खान बिहारक विकास मॉडल के खूब तारीफ करने छलखिन्ह.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु