लालू जी घायल, फोन करि मोदी पूछलखिन्ह हालचाल

गुजरात के मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी शनिदिन आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव के फोन करि हुनकर हालचाल पूछलखिन्ह.

लालू जी शुक्रवार राति के एकटा एक्सीडेंट मे घायल भ गेलाह. मोदी जी फोन करि हुनकर सेहत के बारे मे पूछलखिन्ह आओर जल्दी स्वस्थ होए के कामना कएलखिन्ह.

बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री लालू जीक गाड़ी के शुक्रवार राति करीब दस बजे
राघोपुर... वैशाली जाए काल कच्ची दरगाह के पास पीपा पुल पार करैत समय एक्सीडेंट भ गेलन्हि. एहि मे हुनकर गाड़ी के अगिला शीशा टूटि गेलन्हि आओर आगां बैसय के कारण ओ शीशा हिनकर माथ मे समा गेलन्हि.

हिनका तुरंत एकटा प्राइवेट अस्पताल मे ल जाSक इलाज कराएल गेलन्हि. माथ मे दूटा टांका लगल छन्हि.

लालूजी के टांका लगौला के बाद अस्पताल सं छुट्टी द देल गेलन्हि.

लालू जी के घायल होए के खबरि सुनि खुद प्रधानमंत्री सेहो फोन करि हुनकर हालचाल जानलखिन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप