नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हिंदी ब्लॉग प्रतियोगिता... बॉब्स

अंतर्राष्ट्रीय ब्लॉग प्रतियोगिता शुरू भ गेल अछि. अगर अहां ब्लॉग सं जुड़ल छी. अहां कोनो एहन ब्लॉग पढैत छी जे
अभिव्यक्ति केर आजादी के बढ़ावा दैत होए आ कोनो सामाजिक मुहिमक हिस्सा होए, आ फेर ओहिमे कोनो नव तकनीकक प्रयोग कएल गेल होए तं अहां ओहि ब्लॉग के नोमिनेट करि सकय छी.

ब्लॉगक नामांकन 6 फरवरी सं शुरू भ गेल अछि. अहां एहि लिंक पर
जा क www.thebobs.com/hindi कोनो ब्लॉग के नामांकित करि सकय छी.

एहि ब्लॉग प्रतियोगिता के बॉब्स क नामसं जानल जाएत अछि.  बॉब्स यानी बेस्ट ऑफ ब्लॉग्स. एकर शुरुआत करलक डॉयचे वेले (वॉयस ऑफ जर्मनी). एहि मे ओहि ब्लॉग के पुरस्कृत कएल जाएत अछि जे इंटरनेटक अभिव्यक्ति केर स्वतंत्रता आओर खुलल विचार के समर्थन करैत अछि.

बेस्ट ऑफ ब्लॉग्स मे 14 भाषा के ब्लॉग के सम्मान देल जाएत. एहि मे हिंदी के पहिल बेर जोड़ल गेल अछि. एहि के लेल एनडीटीवी के एंकर और ब्लॉगर रवीश कुमार जीके जूरी मे शामिल कएल गेलन्हि.

पुरस्कार 17 श्रेणी मे देल जाएत. एहि बारे मे अहां पूरा जानकारी एहि लिंक के क्लिक करि जानि सकय छी. http://thebobs.com/hindi/about/categories-2/

हर एक भाषा मे एकटा सर्वश्रेष्ठ ब्लॉग चुनल जाएत आओर एकटा ऐहन ब्लॉग के इनाम देल जाएत, जकरा लोक पढय चाहथिन्ह. जकरा यूजर पसंद करथिन्ह.

एकटा बात ध्यान राखब जे अहां खुद अपन ब्लॉग नामांकित नहि करि सकय छी. अहां सिर्फ अपन पसंदक ब्लॉग नामांकित करि सकय छी. अपन ब्लॉग नामांकित कराबय चाहय छी तं किनको आओर सं करा सकय छी. एहि के  लेल अहां एहि लिंक पर जा वोटिंग करि सकय छी. www.thebobs.com/hindi  ई बात जरूर अछि जे अहां अपन खुद के ब्लॉग के वोट द सकय छी. ओहि मे कोनो रोक नहि अछि.

नामांकन 6 मार्च तक खुलल रहत

सभ विजेता- यूजर  आओर जूरी विजेताक नाम 2 मई 2013 के बॉब्स केर वेबसाइट पर बता देल जाएत.

26 जून 2013 के बॉब्स 2013 पुरस्कार समारोहक आयोजन डॉयचे वेले ग्लोबल मीडिया फोरम मे कएल जाएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु