नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहारी रुकल तं... रुकि जाएत दिल्ली




बिहारक लोक अगर एक दिन काज करनाए बंद करि देत तं दिल्ली बंद भ जाएत...थमि जाएत...सभ किछ ठहरि जाएत. ई कहनाए छनि बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक.

नीतीश जी दिल्ली के बुराड़ी में बिहारक स्थापना के एक सय साल पूरा होए पर भेल एकटा कार्यक्रम में ई बात कहलखिन्ह.

नीतीश जीक साफ कहनाए छलन्हि जे बिहारक लोक बाहर जाSक भीख
नहि मांगैत अछि. अपन मेहनत...मजदूरी... पढ़ाई-लिखाई... प्रतिभा और कौशल के बल पर आगां बढ़ैत अछि.

मुख्यमंत्री जीक कहनाए छलन्हि जे दिल्ली ने एक सय लोक मे बीस बिहारी अछि. बिहारी एहि ठाम अपन काबिलियत के बल पर नीक-नीक पद पर अछि. जे पैघ पद नहि छैथि ओ चोरि-चकारी नहि ... भीख मांगि करि नहि बल्कि अपन मेहनत के बल पर जीवन यापन करैत छथिन्ह.

नीतीश जी कहलखिन्ह जे देश भर में बिहारी मजदूर के मांग अछि. पंजाब, हरियाणा, बंगाल, असम, महाराष्ट्र के संग कश्मीर मे सेहो बिना बिहारी मजदूर के काज पर प्रभाव पड़ैत अछि.

आब जखन बिहार सं मजदूर के पलायन रुकल अछि...कम भेल अछि तं पंजाब... हरियाणा में मजदूर के लुभाबय लेल फोन...किराया आओर रहय के सुविधा के पेशकश कएल जा रहल अछि.

बिहारी मजदूर... बिहारी लोक जतय जाए छथिन्ह ओतय के विकास...अर्थ व्यवस्था मे योगदान करय छथिन्ह.

नीतीश जी कहलखिन्ह जे भने ई बिहारक स्थापना केर सौवां साल अछि मुदा बिहारक इतिहास सिर्फ सय साल के नहि अछि... बिहारक इतिहास हजारों सालक अछि. भगवान महावीर...भगवान बुद्ध सं सम्राट अशोक... चंद्रगुप्त काल सं अछि. नालंदा आओर विक्रमशिला काल सं अछि.

बिहारक अपन एकटा स्वर्णिम युग रहल अछि. किछ कारण सं बिहार पाछां चलि गेल मुदा आब ओ चक्र...पहिला फेर सं घुमि रहल अछि. बिहार अपन गौरव के फेर सं हासिल करय के दिशा में बढ़ि रहल अछि.. बिहार एक बेर फेर सं ज्ञान के क्षेत्र मे दुनिया के अगुवा बनि क देखाएत.

दिल्ली मे नीतीश जीक पहिल बड़का कार्यक्रम छल. एहि मौका पर बिहार के 20टा प्रमुख लोक के सम्मानित सेहो कएल गेलन्हि.

दिल्ली के आईएनए दिल्ली हाट आओर नोएडा के सेक्टर 62 स्थित एक्सपो सेंटर में बिहार के एक सय साल होए कर प्रदर्शनी सेहो लागल अछि. एहि ठाम सांस्कृतिक कार्यक्म के अहां सेहो आनंद उठा सकय छी. ई अगिला हफ्ता धरि चलत.

1 टिप्पणी:

  1. Hitendra ji namaskaar,
    lekh ta badd niik achhi muda apnek sa e ummid nahi chhal .

    Aaha nitish ji ker badde me kahlahu muda e kiyak nahi likhlahu je ki ohi 20 gote me ekko ta maithil nahi chhal .

    Ki ahi 100 saal me mithila ker kono ehan sapoot nahi achhi jekra puruskaar del jaa sakay .

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु