Skip to main content

मिथिलामय भ गेल रवि दिन दिल्ली

नई दिल्ली के मावलंकर ह़ॉल मे रवि दिन 20 ई के अखिल भारतीय मिथिला संघ केर तरफ सं मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह भेल. समारोह बड़ नीक रहल.

 एहि समारोह मे मिथिला आओर मैथिलीक विकास पर चर्चा सेहो कएल गेल. लोक सभ सं आग्रह कएल गेलन्हि जे अहां सभ
अपन माय...माटि आओर मातृभाषा के सदिखन ध्यान राखु. हिनका नहि बिसरु.

अखिल भारतीय मिथिला संघक महासचिव विजय चंद्र झा जी मिथिला समस्या पर सेहो प्रकाश डाललखिन्ह आओर इलाका में विकासक गति तेज करय लेल लोक सभके आगां आबय केर आह्वान करलखिन्ह.

समारोहक एकटा खास बात ई रहल जे ओतेक भव्य कार्यक्रम भेल... कई दिन सं तैयारी भ रहल छल. मुदा लोक सं एक पाई चंदा नहि लेल गेल. सभ खर्च संस्था खुद उठौलक. एहि सभक श्रेय जाए छनि विजय जी के.
विजय जी ओतेक उम्र भेलाहsक बादहुं एतेक सक्रिय छथिन्ह जे कोनो युवा के मात देबय लेल काफी अछि. मिथिलाके हिनका सन लोकक जरूरत अछि.

विजय चन्द्र झा जी आओर संजीव कुमार मिश्र जी
विजय जी मिथिला...मैथिलीक लsक काफी सक्रिय रहय छथिन्ह आओर दिल्ली मे रहय वाला अपन मिथिलावासी के सुख-दुख मे सदैव संग रहय छथिन्ह. हिनका सं लोक के प्रेरणा लेबक चाही.
समारोह के सफल बनैबा मे संजीव कुमार मिश्र जी (सुपुत्र श्री जगन्नाथ मिश्र जी)... अखिलेश झा जी आओर रौशन झा जी सेहो काफी योगदान रहलन्हि.

रौशन जी काफी ऊर्जावान छथिन्ह. हिनका अहां एक तरहे हरफनमौला कहि सकय छी...एकदम सं ऑलराउंडर...ओहुना रौशन जी अमर उजाला अखबार में स्पोर्ट्स देखय छथिन्ह.

एहि समारोह के मुख्य अतिथि छलीह दिल्ली के मुख्यमंत्री श्रीमती शीला दीक्षित जी. हिनका संग समारोह में सांसद आओर मध्य प्रदेश बीजेपी अध्यक्ष डॉ प्रभात झा जी...सांसद महाबल मिश्र जी...पूर्व सांसद डॉ गौरीशंकर राजहंस जी आओर दिल्ली के विधायक एससीएल गुप्ता जी मौजूद छलाह. दरभंगा के सांसद कीर्ति आजाद जी के आईपीएल मामला पर अनशन पर बैसय के कारण हिनकर पत्नी पूनम आजाद सेहो आएल छलीह.

हितेंद्र गुप्ता के मिथिला विभूति सम्मान सं सम्मानित करैत मध्य प्रदेश बीजेपी अध्यक्ष आ सांसद प्रभात झा जी आओर विजय चन्द्र झा जी
समारोह मे शुरुआती चर्चा...विचार-विमर्श के बाद मिथिलाक 19 लोक के मिथिला-मैथिलीक लेल हुनकर योगदान के लेल मिथिला विभूति सम्मान सं सम्मानित कएल गेलन्हि. मिथिला विभूति सम्मान मे सभ गोटे के ताम्रपत्र... शॉल आ पाग से सम्मानित कएल गेलन्हि.

एहि मे पत्रकारिता वाला खंड मे हेलो मिथिलाक लेल हितेंद्र गुप्ता...हमरा सेहो सम्मानित कएल गेल. एहि मे रंगमंच सं जुड़ल श्रीमति प्रेमलता मिश्र प्रेम... नाट्यकार महेन्द्र मलंगिया जी...नाटककार उत्पल झा जी... घ्रुपद गायक अभय नारायण मल्लिक जी... शतरंज खिलाड़ी श्रीराम झा जी...गोल्फ खिलाड़ी अशोक कुमार जी... चिकित्सक राज्यवर्धन आजाद जी... चिकित्सक अजय चौधरी जी... आम्रपाली ग्रुप के उद्यमी अनिल कुमार शर्मा जी...गायिका कुमुद झाजी...रवीन्द्रनाथ ठाकुर जी... गजेन्द्र नारायण सिंह जी... आ दिल्ली के पार्षद सुनील झा जी...रामदयाल महतो जी...श्रीमती तिलोत्तमा चौधरी जी...विमला देवी जी और कल्पना झा जी के सेहो सम्मानित कएल गेलन्हि.  विदेहक गजेन्द्र ठाकुर जीक नाम सेहो छलन्हि मुदा ओ समारोह मे नहि आबि पएलाह.

आम्रपाली ग्रुप के सीएमडी अनिल शर्मा जी के संग विजय चंद्र झा जी
मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह के एकटा नीक बात इहो रहल जे आम्रपाली ग्रुप के सीएमडी अनिल कुमार शर्मा जी दिल्ली मे अपन खर्च पर मिथिला भवन बनाबय केर आश्वासन देलखिन्ह. एहि के लेल जमीन अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं हुनका देल जएतन्हि. अखिल भारतीय मिथिला संघ के पास एहि लेल जमीन अछि.

एतबे नहि संगम विहार दिल्ली के विधायक एससीएल गुप्ताजी सेहो भरोस देलखिन्ह जे ओहि मिथिला भवन बनाबय मे हम शर्मा जीक पूरा मदद करबन्हि. ई बड़ पैघ गप अछि. दिल्ली मे अपन मिथिला भवन होएत.

एकर बाद स्मारिका के विमोचन सेहो भेल. एहि स्मारिका के दर्शक सभ गोटे के बीच बांटल गेल. स्मारिका मे मिथिला-मैथिली से जुड़ल नीक जानकारी देल गेल अछि.

समारोह के आखिर मे सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल. रश्मि रानी...पवन कुमार... सुनील झा जी... अंशुमाला जी लोक के अपन झमकौआ गीत सं मंत्रमुग्ध कर देलखिन्ह. ओना मंच पर साउंडक किछ प्रॉब्लम के कारण बीच-बीच मे विघ्न सेहो आएल मुदा लोक कार्यक्रम के पूरा आनंद उठएलाह.

एहन कार्यक्रम दिल्ली मे जल्दी-जल्दी...बेर-बेर होबाक चाही. एहन कार्यक्रम के आयोजन पर हम सभ मैथिल भाई बहिन लोकनि मिलि पाबय छी. नहि तं लोक के फुरसत कहां.

एतेक नीक समारोह के लेल अखिल भारतीय मिथिला संघ के धन्यवाद.

Comments

  1. बहुत सुन्दर. अहाँ के बहुत बहुत बधाई हितेन्द्र भाई. अखिल भारतीय मिथिला संघ के सेहो आभारी छी जे एहन नीक आयोजन केलक.

    ReplyDelete
    Replies
    1. Bahut Bahut Dhaynawad Prakash jee... ee sab ahan sabhak prem ...sneh ke parinaam achhi

      Delete
  2. Shirf Geet - Naad s Mithila ker vikash nahi homay wala achi

    ReplyDelete
    Replies
    1. Farq ta parhai chhai... bus apan apan sochai ke tareeka chhai. dhanyawad

      Delete
  3. Sundar report - sunar kaaryaram - samman lel seho badhai. Harih Harah!

    ReplyDelete
    Replies
    1. Bahut Bahut Dhanyawad Pravin jee... Kehan chhee ahan?

      Delete
  4. हितेंद्र जी मिथिला विभूति सम्मान के लेल बहुत बहुत बधाई | संगही एतेक सुन्दर खबर देवाक लेल धन्यबाद |

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर