Skip to main content

त्रिनिनाद आओर टोबैगोक प्रधानमंत्री अएलीह अपन गाम


त्रिनिनाद आओर टोबैगोक प्रधानमंत्री कमला प्रसाद बिससर आई बुधदिन अपन पूर्वजक गाम भेलूपुर पहुंचलीह. बक्सर जिलाक भेलूपुर गाम मे हुनकर भव्य स्वागत कएल गेलन्हि.  

हिनकर स्थानीय पारम्परिक रीति-रिवाज के संग स्वागत कएल गेलन्हि.
 

बिसेसर जी एयर फोर्सक हेलीकॉप्टर सं एहिठाम अएलीह. एहिठाम आई सुरक्षा केर काफी तगड़ा इंतजाम कएल गेल छल. हुनकर यात्रा के
लेs क एहिठाम काफी तैयारी सेहो कएल गेल छल. हिनकर स्वागत लेल बिहार सरकार के मंत्री तक मौजूद छलखिन्ह.

सड़क...बिजली...पानी...साफ-सफाई नीक व्यवस्था देखय लेल मिलल. सभ के चमका देल गेल छल. लोक सभ सेहो नव-नव कपड़ा-लत्ता पहिन चमकय छलाह. सभ के चेहरा पर एकटा अलगे खुशी झलकए छलन्हि. अपना सं मिलय के खुशी.

एहिठाम आबि कमलाजी अपन पूर्वजक परिवारक लोक सभ सं गला मिललखिन्ह. जगदीश मिश्रा जीक घर गेलीह. गाम के काली मंदिर सेहो गेलीह. पूजा सेहो कएलीह.
घर के पास मंच सेहो बनाएल गेल छल. एहिठाम लोक सभ के संबोधित सेहो कएलीह. 

बिसेसर जी ओना तं अंग्रेजी मे बात करय छलीह मुदा लोकल लोक के कोनो दिक्कत नहि होए एहि लेल एकटा आदमी ओकरा हिंदी मे सेहो बतौने जा रहल छलखिन्ह.

त्रिनिनाद आओर टोबैगोक प्रधानमंत्री जीक कहनाय छलन्हि जे आई अपन पूर्वजक धरती पर आबि हम धन्य भ गेलहुं. हमर धन्य भाग्य जे आई हम अपन बाप-दादा के धरती पर पैर राखि पएलौं.

बिसेसर जी कहलीह जे अहां सभ अपन बेटा-बेटी मे कोनो फर्क नहि करु. बेटी के सेहो खूब पढ़ाउ. हमरा जकां अहांक बेटी दुनिया मे नाम कमाएत.

कमला जीक इहो कहनाय छलन्हि जे त्रिनिनाद आओर टोबैगो एहि ठाम सं हजारों मील दूर अछि मुदा ओहि ठामक खानपान...रहन- सहन...संस्कृति मे कोनो फर्क नहि अछि. हम सभ आइओ एहि ठामक संस्कृति के जिंदा राखने छी.

कमला जी अपन पति ग्रेगरी बिसेसर आओर बहिन रेवती के संग आएल छलीह.
 

विदा होए के समय गाम के लोक सभ हिनका उपहार...भेंट सेहो देलखिन्ह. हिनका साड़ी...मंगटिका...गहना देल गेलन्हि. परिवार के तरफ सं हिनका खोंइछा सेहो देल गेलन्हि.

कमला जीक परिवार करीब सवा सय साल पहिने त्रिनिनाद आओर टोबैगो चलि गेल छलखिन्ह.

कमला प्रसाद बिसेसर जीक परदादा स्व़ रामलखन जी 1889 मे कोलकता भsक त्रिनिदाद गेल छलखिन्ह.
 

एकर पता एकटा स्टीमर के टिकट सं लागल. जकर डाटा विदेश जाए वाला यात्री मे छल. ओहि डाटा सं पता चलल जे रामलखन जी भेलूपुर सं गेल छलखिन्ह. एकर बाद खोज खबर लेल गेल तखन कमला प्रसाद बिसेसर जी अपव पूर्वज सं मिल पएलीह


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...