नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

त्रिनिनाद आओर टोबैगोक प्रधानमंत्री अएलीह अपन गाम


त्रिनिनाद आओर टोबैगोक प्रधानमंत्री कमला प्रसाद बिससर आई बुधदिन अपन पूर्वजक गाम भेलूपुर पहुंचलीह. बक्सर जिलाक भेलूपुर गाम मे हुनकर भव्य स्वागत कएल गेलन्हि.  

हिनकर स्थानीय पारम्परिक रीति-रिवाज के संग स्वागत कएल गेलन्हि.
 

बिसेसर जी एयर फोर्सक हेलीकॉप्टर सं एहिठाम अएलीह. एहिठाम आई सुरक्षा केर काफी तगड़ा इंतजाम कएल गेल छल. हुनकर यात्रा के
लेs क एहिठाम काफी तैयारी सेहो कएल गेल छल. हिनकर स्वागत लेल बिहार सरकार के मंत्री तक मौजूद छलखिन्ह.

सड़क...बिजली...पानी...साफ-सफाई नीक व्यवस्था देखय लेल मिलल. सभ के चमका देल गेल छल. लोक सभ सेहो नव-नव कपड़ा-लत्ता पहिन चमकय छलाह. सभ के चेहरा पर एकटा अलगे खुशी झलकए छलन्हि. अपना सं मिलय के खुशी.

एहिठाम आबि कमलाजी अपन पूर्वजक परिवारक लोक सभ सं गला मिललखिन्ह. जगदीश मिश्रा जीक घर गेलीह. गाम के काली मंदिर सेहो गेलीह. पूजा सेहो कएलीह.
घर के पास मंच सेहो बनाएल गेल छल. एहिठाम लोक सभ के संबोधित सेहो कएलीह. 

बिसेसर जी ओना तं अंग्रेजी मे बात करय छलीह मुदा लोकल लोक के कोनो दिक्कत नहि होए एहि लेल एकटा आदमी ओकरा हिंदी मे सेहो बतौने जा रहल छलखिन्ह.

त्रिनिनाद आओर टोबैगोक प्रधानमंत्री जीक कहनाय छलन्हि जे आई अपन पूर्वजक धरती पर आबि हम धन्य भ गेलहुं. हमर धन्य भाग्य जे आई हम अपन बाप-दादा के धरती पर पैर राखि पएलौं.

बिसेसर जी कहलीह जे अहां सभ अपन बेटा-बेटी मे कोनो फर्क नहि करु. बेटी के सेहो खूब पढ़ाउ. हमरा जकां अहांक बेटी दुनिया मे नाम कमाएत.

कमला जीक इहो कहनाय छलन्हि जे त्रिनिनाद आओर टोबैगो एहि ठाम सं हजारों मील दूर अछि मुदा ओहि ठामक खानपान...रहन- सहन...संस्कृति मे कोनो फर्क नहि अछि. हम सभ आइओ एहि ठामक संस्कृति के जिंदा राखने छी.

कमला जी अपन पति ग्रेगरी बिसेसर आओर बहिन रेवती के संग आएल छलीह.
 

विदा होए के समय गाम के लोक सभ हिनका उपहार...भेंट सेहो देलखिन्ह. हिनका साड़ी...मंगटिका...गहना देल गेलन्हि. परिवार के तरफ सं हिनका खोंइछा सेहो देल गेलन्हि.

कमला जीक परिवार करीब सवा सय साल पहिने त्रिनिनाद आओर टोबैगो चलि गेल छलखिन्ह.

कमला प्रसाद बिसेसर जीक परदादा स्व़ रामलखन जी 1889 मे कोलकता भsक त्रिनिदाद गेल छलखिन्ह.
 

एकर पता एकटा स्टीमर के टिकट सं लागल. जकर डाटा विदेश जाए वाला यात्री मे छल. ओहि डाटा सं पता चलल जे रामलखन जी भेलूपुर सं गेल छलखिन्ह. एकर बाद खोज खबर लेल गेल तखन कमला प्रसाद बिसेसर जी अपव पूर्वज सं मिल पएलीह


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु