नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे लोकायुक्त के दायरा मे मुख्यमंत्री


बिहार मे मुख्यमंत्री के लोकायुक्त के दायरा मे लाएल जाएत. एकर घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करलखिन्ह.

मुख्यमंत्री के इहो कहनाय छलन्हि जे प्रधानमंत्री के सेहो लोकपाल के दायरा मे होबाक चाही. नीतीश जीक कहनाय छलन्हि जे राज्य सं... देश सं भ्रष्टाचार मिटाबय लेल लोकपाल...लोकायुक्त के मजबूत होनाय जरूरी अछि.

पटना मे एकटा कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री के साफ
कहनाय छलन्हि जे जखन मुख्यमंत्री के खिलाफ सीआरपीसी के तहत मुकदमा भ सकैत अछि आओर भ्रष्टाचार निरोधी अधिनियम लागू भ सकैत अछि तखन लोकपाल के तहत लाबय मे कोन परेशानी अछि.

नीतीश जी कहलखिन्ह जे बिहार मे लोकायुक्त के मजबूत बनाएल जाएत. भ्रष्टाचार खत्म करय के लेल बिहार मे लोक सेवा अधिकार कानून बनाएल गेल अछि.

एहि मे ई कोशिश कएल गेल अछि जे समय पर काज नहि भेलाह पर अफसर पर कार्रवाई करल जाएत. जुर्माना लगाएल जाएत.

मुदा हुनकर साफ जोर प्रधानमंत्री के सेहो लोकपाल के दायरा मे लाबय के छलन्हि.

पिछला दिन जन लोकपाल बिल के मुद्दा पर अन्ना हजारे 12 दिन अनशन पर रहलखिन्ह. हुनका लोक के भारी समर्थन मिललन्हि.

हुनका एतेक समर्थन मिललन्हि एकर अंदाजा एहि बात सं लगा सकय छी जे हाल मे आएल सर्वे मे ई खुलासा भेल अछि जे अगर अखन चुनाव भेल तं कांग्रेस के भारी नुकसान भ सकैत अछि.

राहुल गांधी... चिदंबरम... कपिल सिब्बल सभ के जमानत जब्त भ सकय छनि.एहि सं भ्रष्टाचार के प्रति लोक के गुस्सा देखल जा सकैत अछि.

2 टिप्‍पणियां:

  1. nitish jee ke dhanyabaad, bihar ke aagu badhabaklel, Lokpaal janata ke aawaj ke samman aa raasta dekhab lel eka madhyam banat.

    जवाब देंहटाएं
  2. Sarkar ke emandari aa pardarsita ke bejor udaharan aichi....aehi sai lagait aichi je e sarkar bharastachar sai larai ke lel katek tatper chaith.....good going Nitish Govt......Hats of to Bihar Govt....

    Kumar Kali Bhushan
    Keoti - Mumbai.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु