नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जागरण अखबार के पत्रकारक जरूरत


दुनिया के नंबर वन अखबार दैनिक जागरण के प्रशिक्षु उपसंपादक के जरूरत अछि. एहि के लेल अहां के कम सं कम स्नातक होबाक चाही. एकर संग अहां के पास पत्रकारिता के कोनो डिप्लोमा... डिग्री होएत तं अहांके बेसि वेटेज मिलत.

मुदा एहि के लेल उम्र सीमा सेहो राखल गेल अछि. अहांक जन्म एक सितंबर 1985 सं पहिने नहि होबाक चाही. यानी अहांक उम्र 26 साल सं कम होबाक चाही.

कंप्यूटरक ज्ञान... अंग्रेजी से हिंदी ट्रांसलेशन आओर
टाइपिंग अएबाक चाही. एकटा आओर बात जे उम्मीदवार के फेसबुक...ट्विटर जैसन सोशल नेटवर्किंग साइट पर जतेक दोस्त होएतन्हि... जतेक बेसि फॉलोवर होएतन्हि हुनका ओतेक प्राथमिकता देल जएतन्हि.

अगर अहां मे ई सभ अछि. अहां अपना के एकटा नीक पत्रकार के रूप मे देखय चाहैत छी तं जल्दी सं अप्लाई करि दिअ.

अहां अपन रिज्यूमे  dr.upendra@jagran.com पर भेज दिअ. अहांक आवेदन 3 सितंबर के सांझ 6 बजे तक हिनका पास पहुंचि जएबाक चाही.

एकटा खास बात ई जे आवेदन के संग अहां अपन एकटा लेख सेहो भेजबाक कष्ट करब. ओ लेख कम सं कम 500 शब्दक होबाक चाही.

अहां खुद हाथों-हाथ जाsक आवेदन देबय चाहैत छी तं एकटा लिफाफा मे अपन लेख... अपन रिज्यूमे राखि एहि पता पर पहुंच जाउ-

हेड, एडिटोरियल एचआर विभाग, दैनिक जागरण, डी-211, सेक्टर-63, नोएड- 201309

लिफाफा पर  संपादकीय प्रशिक्षु पद के लिए आवेदन जरूर लिख देब.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु