मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गया के अंतर्राष्ट्रीय हवाई अड्डा के नाम लार्ड बुद्धा इंटरनेशनल एयरपोर्ट करय के मांग करलखिन्ह. ई मांग ओ केंद्रीय नागरिक विमानन मंत्री सं करलखिन्ह.
केन्द्रीय मंत्री के लिखल अपन पत्र मे नीतीश जीक कहनाय छनि जे गया आओर बोधगया एक दोसरा सं सटल अछि. गया हवाई अड्डा सं बोधगया सिर्फ 5 किलोमीटरक दूरी पर अछि.
एहि ठाम भगवान बुद्ध के ज्ञान प्राप्त भेल
छलन्हि. एहि लेल ई स्थान दुनिया भर के लोक के लेल विशेष महत्व राखैत अछि. एहि ठाम दुनिया भर सं लोक आबय छथिन्ह.
बौद्ध धर्म सं जुड़ल लोक के लेल ई स्थान काफी पवित्र अछि. एहिठाम सिर्फ बौद्ध धर्म सं जुड़ल लोक नहि बल्कि सभ धर्म के लोक आबय छथिन्ह.
विदेशी पर्यटक सालों भर आबैत रहय छथिन्ह. जेहि मे बेसि संख्या चीन...भूटान...श्रीलंका...जापान...थाईलैंड आओर सिंगापुर के पर्यटक के रहैत अछि. पर्यटक के हाल ई अछि जे आब गोवा सं बेसि पर्यटक बिहार आबि रहल अछि.
गया अंतर्राष्ट्रीय हवाई अड्डा सं थाई ऐयरबेज... श्रीलंका एयरलाइंस... मिहिन लंका... डूकेयर एयरवेज केर नियमित उड़ान सेहो अछि. एहि ठाम दिन पर दिन आबय वाला लोक के संख्या बढ़ि रहल अछि.
एहि के लेल बिहार सरकार के मांग अछि जे एक तं एहिठाम बड़का विमान के आबय-जाए के इजाजत देल जाए दोसर एकर नाम भगवान बुद्ध के नाम पर लार्ड बुद्धा इंटरनेशनल एयरपोर्ट राखल जाए.
आब देखल जाए केंद्र सरकार के एहि पर कि विचार आबैत अछि. ओना एहि नाम पर केंद्र सरकार के सेहो कोनो आपत्ति नहि होबाक चाही. अहां सभ के कि लगैत अछि?
हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु