Skip to main content

Posts

Showing posts from June, 2011

की फेर गुंजत ओ आवाज?

जीवन आ मृत्युक बीच में ठाड़ युवा लोक गायिका अंशुमालाक कद्रदान कतय नहि अछि. हुनकर दुनू किडनी ख़राब भ गेल अछि. बड़ आ सासुरक लोक हुनका सें आपन दामन छुड़ा लेने अछि. ताहि सें समाज आ सरकारक कोनो जिम्मदारी नहि बनैत अछि की? बेसी दिन नहि भेल अछि, दू बरख पहिने जिनकर लोक गायकी के कद्रदान पटना से ल क दिल्ली धरि छल. ओ आवाज एखन कतय अछि? अहि आवाजक दम पर पटना विश्वविद्यालय से ल क दिल्ली विश्वविद्यालय के मिरांडा हाउस अप्पन प्रतिष्ठा कायम राखैत छल. बिहार सरकार हुनकर कला पर इतराबैत छल आ दिल्ली में जखन कहियो बिहारक अस्मिताक गप होयत छल ते ओकरा बचाबैक लेल हुनकर आवाज काफी छल. मैथिली आ भोजपुरी के नब कलाकारक गप होयत छल ते सबहक जुबां पर नाम होयत छल- अंशुमाला. जिनगी और मृत्यु क जे फासला अछि,, ओहि फासला के बीच आय युवा लोक गायिका अंशुमाला ठाड़ छथिन, क्याकि हुनकर

मिथिलाक सुपुत्र निग्मानंद के श्रद्धांजलि

मिथिलाक बिहार प्रान्तक दरभंगा में लदारी गाम आ ओहि गाम में अभियंता श्री प्रकाश झा आ हुनक धर्म्पत्निक सुपुत्र श्री स्वरुपम कुमार झा जे १९९५ में दीक्षा प्राप्त क बनिगेला स्वामी निग्मानंद. ३४ वर्षीय स्वामी १९ फरवरी , २०११ सं निरंतर रूपें पवित्र गंगाक अस्तित्व बचेबाक हेतु आमरण अनशन पर बैसल छलाह. ३ मासक कठोर अनशन पर बैसल स्वामी जीक दिस कहियो सरकारक नजर नई गेल २७ अप्रैल, २०११ के दिन हुनक अचेतन स्वास्थ अवस्था देखि

गलत मूल्यांकन सं छात्र परेशान...जिम्मेदार के?

बिहार-झारखंड के हजारों छात्र गलत मूल्यांकन के शिकार बनि गेल छथिन्ह. टीचर के गलत मूल्यांकन के खामियाजा विद्यार्थी के भुगतय पड़ि रहल छनि. दुनू राज्य मे हाल ई अछि जे हजारों छात्र परीक्षा पास नहि करि पाएल छथिन्ह. बिहार मे सीबीएसई रिजल्ट मे फेल छात्र सभ काफी गुस्सा मे छथिन्ह. पटना मे तं छात्र आओर गार्जियन सभ सीबीएसई के दफ्तर पर काफी हो-हल्ला सेहो करलखिन्ह. एहिठाम एहन भेल कि गणित आओर भौतिकी मे

घटि रहल अछि फेसबुक प्रशंसक

अहां सभ के ई जानि कं अचरज होएत जे इंडिया मे दिन पर दिन लोकप्रिय भ रहल फेसबुक के उपयोग करय वाला के संख्या अमेरिका मे घटि रहल अछि. सोशल नेटवर्किंग साइट मे फेसबुक सं पहिने ऑर्कुट के जलवा छल. मुदा फेसबुक अएला के बाद लोक ऑर्कुट... मायस्पेस जैसन सोशल नेटवर्किंग साइट सं हटिs क एहि पर चलि अएला. मुदा आब लगैत अछि जे फेसबुक के धाक सेहो कम भेल जा रहल अछि. संख्या घटय के ई हाल अछि जे सिर्फ पिछला मास अमेरिका मे

वट सावित्री व्रत

सदा सुहागन रहि...सदिखन सधवा रहि... आजीवन पति के सुख मिलैत रहय... एहि लेल महिला लोकनि वट सावित्री करय छथीह. वट सावित्री व्रत जेठ मास के अमावस्या के होएत अछि. मधुश्रावणी...कोजगरा जकां नवविवाहिता कनिया के लेल एहि व्रत के विशेष महत्व अछि. ओना तं ई पावनि देश भर मे मनाएल जाएत अछि. मुदा मिथिला मे एकर खास महत्व अछि. नवविवाहिता सभ के तं मायका...नैहर सं एहि पावनि के लेल पूजा