नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

टॉप न्यूज़ इंडिया

उम्मीद अछि अहां सभ मीडिया साइड ब्लॉग पर गेल होएब. एहिठाम अहां के मीडिया सं जुड़ल सभ ब्लॉग... साइटक खबर एकहिं ठाम मिल जाएत. ओकर अपडेट पता चलैत रहत. एहि सं अहां के ई सेहो पता चलत जे कोन ठाम कोन नवका खबर आएल अछि. जेहिठाम नवका खबर बुझाएल ओहि खबर के क्लिक कs ओहि खबर के पढ़ि लेलौं.

मुदा ओ तं सिर्फ मीडिया सं जुड़ल खबर लेल छल. किछ लोक कहलाह जे आम खबर लेल कsत जाएल जाउ. गुगल...याहू न्यूज के अलावा किछ दोसर ऑप्शन सेहो बताउ. तं हुनका सभ के लेल एकटा
ब्लॉग छनि


एहि Top News India पर अहां के देश के तमाम प्रमुख अखबार... न्यूज़ चैनल के
ताजा खबर देखय लेल मिल जाएत. एहि ठाम अहां के टाइम्स ऑफ इंडिया... इंडियन एक्सप्रेस... समय लाइव... भास्कर... जागरण... एनडीटीवी .... गुगल... सिफी... इंडिया टूडे जकां देश के प्रमुख साइटक खबर मिल जाएत.

बस अहां Top News India ब्ल़ॉग के खोलि ओकरा बुकमार्क कs लिअ. कम्प्यूटर... नेट पर आबैत एकरा खोलि लिअ. एक नजर सभ साइट के टॉप खबर पर डालि लिअ. जेना -जेना ओहि साइट पर खबर अपडेट होएत रहत. अहां के Top News India पर आबैत रहत बिना कोनो देरी कएने.

आब अहां के देश-दुनिया के तमाम खबर के लेल दसटा साइट खोलिsक राखय के जरूरत नहि. बस एकटा टॉप न्यूज़ इंडिया खोलि के राखि लिअ आओर खटाखट खबर... ब्रेकिंग न्यूज... न्यूज़ अपडेट सं जुड़ल रहुं.

टॉप न्यूज़ इंडिया मे अहां के सभ सं ताजा पांचटा खबर ऊपर मे देखाएत. ओहि साइट पर जेना-जेना नवका खबर देल जाएत ओ खबर अहांक टॉप न्यूज़ इंडिया मे आबि जाएत. एहि सं अहांके कोनो अखबार...न्यूज़ साइट के खबर नहि छूटत.

एहि सं लोक सभ के बीच अहां के ई नहि कहय पड़त जे ई न्यूज़ त हमरा पते नहि छल...कहां भेल ई? कखन भेल ई ? हर पल खबर सं जुड़ल रहय लेल ई बड़ काजक ब्लॉग अछि. ई सिर्फ आम लोक के लेल नहि पत्रकारिता सं जुड़ल लोक के लेल सेहो बड़ जरूरी अछि.

किएक तं मीडिया सं जुड़ल लोक के तं चौबीसों घंटा खबर सं अपडेट रहनाय जरूरी छनि. हुनका सं कोनो खबर मिस नहि होबाक चाही. फेर एहि सं हुनका नवका-नवका खबर के आइडिया सेहो मिलय छनि.

तं आई सं... अखन सं जखन धरि कम्प्यूटर पर रहुं टॉप न्यूज़ इंडिया के खोलने रहुं... देश-दुनिया के तमाम खबर सं अपडेट रहुं. अहां कोनो आओर अखबार ... साइटक खबर चाहय छी तं सेहो बताएब.




click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com




Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु