नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ठंड सं हाल बेहाल, स्कूल बंद

बिहार मे आई-काल्हि हड्डी जमा देय वाला ठंड पड़ि रहल अछि. तापमान काफी गिर गेल अछि. बीच मे पानि भेलाह सं पारा आओर कम भेल अछि. शीतलहर ऐहन चलि रहल अछि जेना सूई चुभा रहल होए.

ठंड के देखैत...कोहरा-कुहासा के देखैत राज्य केर सभ स्कूल
 के 9 तारीख धरि बंद करि देल गेल अछि. सरकारक ई आदेश सभ स्कूल के लेल अछि. सरकारी आओर प्राइवेट दूनु के लेल.

अगर मौसम ठीक नहि भेल त छुट्टी के आओर बढ़ाएल जा सकैत अछि. पिछला साल छुट्टी के बादहुं किछ स्कूल खुलल रहय... एहि के देखैत सरकार इहो कहलक अछि जे स्कूल खुलल रहत ओकरा खिलाफ कार्रवाई कएल जाएत.

राज्य सरकार के तरफ सं ई आदेश हर जिला के डीएम के पास भेज देल गेल अछि. बच्चा सभ सरकार के एहि फैसला सं खुश अछि. नया साल के हुनकर पार्टी अखन किछ दिन आओर चलत.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु