मिठगर रौद

ठिठुरैत ठंढ़ाकें झटकारि कs
प्रकृति पहिरलक वसन्तक आवरण
खर पतवारके बहारि कs
जाड़क मानू होलिकाक संग भेल दहन
रंग बिरंगक फूलक छींटसं
फगुआ खेलाओत पूरा वातावरण

एहेनमे हर्षित भs
सबहक प्रशंसा अछि सूर्यकें अर्पण
जकर ऊष्मा पाबि कs
आएल अछि अतेक सुन्दर परिवर्तन

फागुनक मिठकर रौदसं
डेराइत पड़ाइत माघ आ अगहन

-ज्योति सुनीत चौधरी ( अर्चिस् )
(ज्योति जीक जन्म बेल्हवार, मधुबनी मे भेल छनि आओर लंदन मे रहय छथीह. ज्योति जी मिथिला पेंटिंगमे पारंगत छथि आ हिनकर पेंटिंग केर प्रदर्शनी ईलिंग आर्ट ग्रुपक अंतर्गत ईलिंग ब्रोडवे, लंदनमे प्रदर्शित कएल जा चुकल अछि. )
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

केंद्र मे हारल बिहार...

बिहार के एकटा आओर सम्मान

दिल्ली मे सामा चकेवा

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा