नोकरी आकि आजीवन कारावास

नेनामे अहां घोंइट-घोंइट कs
यादि करैत रहिऐ किताबक पन्ना
सोचैत रहिऐ खूब पढ़ि-लिखि कs
नीक सन नोकरी भेटत

तहि लेल गिन-राति घसैत रही कलम
क्लासमे अबैत रहि प्रथम
मुदा जखन नहि भेटल सरकारी नोकरी तं
प्राइवेट नोकरी करै पड़ल
एहि समयमे नहि अपन लेल समए
नहि परिवारक भरण-पोषणक लेल पाइ
एहि ठाम विकट परिस्थितिमे
मन पड़ैत अछि बरटोल्ड ब्रेस्ट

हुनकर कहब छल जे एक गोटाकें
कम दरमाहा देब माने अछि आजीवन कारावास
हम पुछैत छी
अहां कहू वा बताऊ कोन नीक
कम दरमाहाबला नोकरी
वा आजीवन कारावास

एक ठाम, अहांके दुनिया भरिक रहत दायित्व
मुदा नहि रहत शांति
दोसर ठाम, अहांके दुनिया भरक रहत शांति
मुदा नहि रहत कोनो दायित्व.

-विनीत उत्पल
(हम पुछैत छी)
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Popular posts from this blog

कि इहे सभागाछी अछि ?

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मोन मिथिले मे अछि...

दरभंगा मे नवाह यज्ञ

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

की फेर गुंजत ओ आवाज?

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

जिम्मेदार के ?