नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कलमाडी एहिठाम छापा...सीबीआई केर दिखावा?

कॉमनवेल्थ गेम्स घोटाला मामला मे सीबीआई शुक्र दिन भोरे-भोर सुरेश कलमाडी के घर-दफ्तर पर छापा मारलक. सुरेश कलमाडी कॉमनवेल्थ गेम्स आयोजन समिति के चेयरमैन छथिन्ह.

कॉमनवेल्थ गेम्स दिल्ली मे 3 सं 14 अक्तूबर तक भेल छल. खेल के लेल जे बजट तय कएल गेल छल ओ बेर-बेर बढ़ाएल गेल.
 एहि बजट के दिल्ली आओर केंद्र सरकार के मंजूरी के बाद बढ़ाएल गेल.

बजट आओर खर्च के लsक मीडिया मे भारी अनियमितता के खबर आएल. खेल सं पहिने मीडिया मे कॉमनवेल्थ घोटाला के खबर छाएल रहल. हजारों करोड़ रुपया के घोटाला के आरोप लगाएल गेल.

मुदा ओहि टाइम ई कहल गेल जे देश के इज्जत के सवाल अछि. देश-दुनिया मे भारत के प्रतिष्ठा दांव पर अछि ताहि लेल एहि मुद्दा के खेल तक टालि देल जाए. सरकार खेल के बाद जांच के भरोस देलक.

सीबीआई आओर दोसर कइटा एजेंसी एहि मामला के जांच करि रहल अछि. एहि मामला मे आयोजन समिति के संयुक्त महानिदेशक टीएस दरबारी आओर उप महानिदेशक संजय महेंद्रू गिरफ्तार भेल छथिन्ह.

खेल सं जुड़ल किछ दस्तावेज के सीबीआई तलाश रहल अछि. मुदा ओकरा बारे मे कहल जा रहल अछि जे ओ गायब अछि. विपक्ष एहि मुद्दा पर सरकार पर हमला करैत रहल अछि.

आब जखन कलमाड़ी के घर-दफ्तर पर छापा पड़ल अछि. त बीजेपी सीधा प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सं इस्तीफा के मांग करलक अछि. बीजेपी के कहनाय अछि जे कलमाड़ी अपना ऊपर बिना कोनो हाथ रहने एतेक बडका घोटाला नहि करि सकैत छथि.

बीजेपी के इहो आरोप अछि जे एहि घोटाला मे कइटा आओर बड़का लोक शामिल छथिन्ह. पार्टी सरकार पर कलमाड़ी के बलि के बकरा बनाबय के आरोप सेहो लगा रहल अछि.

मुदा सवाल अछि जे कॉमनवेल्थ गेम्स घोटाला के चर्चा अक्तूबर मे खेल शुरू होए के पहिने सं अछि. खेल शुरू होए सं पहिनहि एहि पर काफी हो- हल्ला आओर हंगामा भ चुकल अछि.

फेर सीबीआई ओहि टाइम कलमाडी के ओहिठाम छापा किएक नहि मारलक. दू मास बाद छापा मारला पर सीबीआई के कि मिलल होएत? कि सीबीआई एहि बात के इंतजार करैत छल जे कलमाड़ी जी कहिआ सभ
दस्तावेज... रिकॉर्ड हटा लए छथिन्ह त छापा मारब ?

कि सीबीआई के छापा सिर्फ दिखावा अछि ? जखन ई मामला एतेक पुरान अछि आओर एहि मामला मे कई दोसर लोक के ओहिठाम छापा पड़ि चुकल अछि आओर निशाना पर कलमाडी छलखिन्ह त कि ओ अपना खिलाफ दस्तावेज घरे पर राखने होताह?

कि कलमाडी जी अतेक बुड़बक छथिन्ह जे खेल खत्म भेला के दू मास बाद धरि अपन घर-दफ्तर मे सभ किछ दुरुस्थ नहि करि लेने होताह? आ फिर जेहि दस्तावेज सं हुनका परेशानी भ सकय छनि ओकरा ओ घरे पर राखने होएथिन्ह?

एकटा छोटको आदमी जे एहि घोटाला मे शामिल होएत ओतेक दिन बाद सभ किछ घर-दफ्तर सं हटा देने होएत आ साफ करि देने होएत. त फेर सीबीआई सिर्फ एहि मामला के शांत करय लेल कलमाडी के घर गेल?

पहिने ऐना होएत छल जे ककरो ओहिठाम छापा पड़ैत छल त लोक के पता चलैत छल जे हिनका खिलाफ ई मामला छनि.... मुदा आब त मामला जोर पकड़ाहो पर लोक इंतजार करय छथिन्ह जे सीबीआई अखन धरि छापा नहि मारलक.

कि सीबीआई बस छापा के औपचारिकता निभा रहल अछि ? कि कहिओ एहि घोटाला के खुलासा भ सकत ? कि सरकार घोटाला मे नाम आएल मंत्री... कांग्रेसी पदाधिकारी के सिर्फ इस्तीफा लsक मामला टिरका देत?

आदर्श घोटाला... दूरसंचार घोटाला...कॉमनवेल्थ घोटाला कि सभ के अंत एकहि तरह होएत?... दू चारि टा छापा... दू चारि मंत्री के इस्तीफा... किछ दिन जांच चलत... फेर फाइल बंद.... खेल खत्म.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु