नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार अएताह ओबामा !

कि अमेरिकी राष्ट्रपति बराक ओबामा बिहार अएताह ? ओना तं एहि बारे मे सरकार या फेर अमेरिकी दुतावास के तरफ सं किछ नहि कहल गेल अछि. मुदा जेहि हिसाब सं अमेरिकी प्रतिनिधि सभ बिहार आबि रहल छथिन्ह... आओर संकेत द रहल छथिन्ह... ओहि सं लगि रहल अछि जे नवंबर मे होए वाला भारत यात्रा के दौरान ओ किछ देर लेल बिहार आबि सकय छथिन्ह.

एहि बात के बल मिलल अछि अमेरिकी राष्ट्रपति के विशेष प्रतिनिधि रशद हुसैन जीक बिहार दौरा सं. अपन दू दिनक बिहार दौरा मे ओ काफी व्यस्त रहलाह. ओ सुपर-30के आनंद कुमार आओर छात्र सभ सं मिललाह. ओ सुपर-30 सं काफी प्रभावित दिखलाह. हुसैन जी कहलखिन्ह जे ओ कई संस्थान मे गेलाह मुदा सुपर-30 जैसन कोनो नहि लागल. ओ इहो कहलखिन्ह जे एहि सुपर-30 के बारे मे ओ राष्ट्रपति ओबामा के जरूर बतौथिन्ह. जखन छात्र सभ हुनका सं पूछलखिन्ह जे कि ओबामा जी बिहार सेहो अएताह तं ओ कहलखिन्ह जे ओ आग्रह करथिन्ह.
रशद हुसैन जी सम्मान फाउंडेशन के इरफान आलम सं मिललखिन्ह आओर हुनकर हाइटेक रिक्शा के सेहो चलएलाह. एहि सं पहिने फरवरी मे अमेरिकी राजदूत टिमोथी जे रोमर सेहो पटना आबि इरफान जी सं मिलि चुकल छथिन्ह. हिनका सभ के मानल जाए तं ओबामा जी बिहार के विकास सं काफी प्रभावित छथिन्ह. बिहार मे जे बदलाव आएल अछि ओकरा देखय लेल ओ अपन प्रतिनिधि सभ के एतय भेज रहल छथिन्ह. आओर एहन मे खुद अपनो चलि अएताह तं कोनो अचरज नहि.

फरवरी मे जखन अमेरिकी राजदूत पटना गेल छलाह तं बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के लेल राष्ट्रपति ओबामा के किताब ड्रिम्स ऑफ माई फादर सेहो ल गेल छलखिन्ह. ओ राष्ट्रपति के दस्तखत कएल एहि किताब के नीतीश जीके सौंपलखिन्ह. असल मे अमेरिका बिहार मे अपन रोल किछ बढ़ाबय चाहैत अछि ओ बिहार के विकास मे भागीदार बनय चाहैत अछि. एकरा लेल अमेरिकी प्रतिनिधि सभ के बिहार भेज रहल छथिन्ह.

हुनकर प्रतिनिधि रशद हुसैन जी त बिहारे मूल के छथिन्ह. हिनकर पिता अकबर हुसैन बिहार मे माइनिंग इंजीनियर छलखिन्ह आओर 1969 मे अमेरिका चलि गेलखिन्ह. रशद हुसैन जी के राष्ट्रपति ओबामा एहि साल 13 फरवरी के आर्गेनाइजेशन ऑफ द इस्लामिक कांफ़्रेंस के विशेष दूत बनौलखिन्ह. रशद जी केनेडी स्कूल ऑफ गवर्नेंस सं मास्टर के डिग्री हासिल कएने छथिन्ह आओर हावार्ड विवि सं अरबी आओर इस्लामिक विषय केर अध्ययन कएने छथिन्ह. पटना के सब्जीबाग इलाका मे हिनकर पैतृक घर छनि.
 Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु