चुनाव-चक्र -रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'


नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ

रहत ओतय मंच साजल, संगहि दू -चारिटा माइक लागल
बीच ठाम ओ अपने बैसता, चमचा बैसत कात रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
उजरा कुरता-धोती पहिरने , सौंसे मुंह मे पान गलोठने
जाति- पाति कें हम नहि मानी बजता नेता माइक पकड़ने
झोड़ा ल' ले , झंता ल' ले , शीघ्र धो मुंह -हाथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
विपक्षी कें चोर कहैत अपना कें ओ साउध बतौता
गरैज -गरैज क' ओ पॉँच वर्षक घटना सुनौता
हमरा - तोरा समझ मे नहि अओंतौ कोनो बात रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ।
भाषण खाहे खराप लगौ वा लगौ तोरा नीमन
देता नगदी नरायण जाहि सं कीनब किछु तरकारी - तीमन
टोपी देता , गमछा देता आ देता गंजी साथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
आगां नारा बजता नेता , पाछां - पाछां जनता बाजत
उपर बला कें बिसरि सब , हुनके देवता मानत
वादा करता जाओं ओ जीतता , देता कम्बल -खाट रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
चिकरि- चिकरि जहन ओ थकता , भरी गिलास पानि गटकता
नाक - मुंह चमका - चमका क' अपन चुनावी चिह्न देखओता
अपन चुनावी नारा बाजि ओ जोडि लेता हाथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ ।
एहन प्रलोभन कें बूते निश्चय जीत जेता ओ नेता
कुर्सी पबिते ओ सब मिलिक' देश - जनता कें लूटि - लूटि खेता
जनता पीटैत रहि जायत फेरो पॉँच साल माथ रौ
नेता अयता भाषण दैलय, चल-चल भाइ हाट रौ । 
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com






Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार