Skip to main content

सौराठ सभा 24 जून सं...

शादी-विआह के लेल मिथिलाक मशहूर सौराठ सभा 24 जून सं शुरू होए वाला अछि. सौराठ सभा 2 जुलाई तक चलत. सौराठक सभागाछी मधुबनी के पास अछि. मधुबनी सं रहिका जाए के रास्ता मे. मधुबनी सं करीब 6 किलोमीटर दूर. मधुबनी सं बस... जीप... मैक्सी आ फेर रिक्शा सं सेहो जा सकय छी. दरभंगा सं एहिठाम अहां रहिका भs जयनगर जाए वाला बस... कोच सं या दरभंगा-रहिका के बीच चलय वाला मैक्सी सं जा सकय छी.
पहिने सौराठ सभा के एहि सभागाछी मे खुब रमन-चमन रहय छल. हमर गाम दरभंगा सं रहिका जाए के रास्ता मे अछि. हमरा याद अछि जे आई सं 15-20 साल पहिने धरि एहिठाम लगन भरि मेला जकां माहौल रहैत छल. दूर-दूर सं लोक आबैत छलखिन्ह. सरकारक तरफ सं विशेष रूप सं सभागाछी जाए लेल स्पेशल बस चलाएल जाएत छल. चारु कात रेशमी कुर्ता... ललका धोती... ललका पाग पहिनने... हाथ मे बेंत आओर पान चबाबैत लोक. दुनिया भर मे रहय वाला मैथिल ब्राह्मण शादी के लेल एहि ठाम आबैत छलाह. एहिठाम दूल्हा के संग हुनकर परिवार के लोक सभ आबि सभागाछी मे आमक गाछक नीचा बैसय छलाह. कन्या पक्ष के लोक सेहो आबय छलाह. वर पक्ष आओर कन्या पक्ष के बीच शास्त्र-वेद... पढ़ाई- लिखाई पर चर्चा होएत छल. जतेक पढ़ल लिखल वर... ओतेक मांग. हुनका ठाम ओतेक भीड़.
कई बेर त एकहिं वर पर कइटा कन्या पक्ष वाला लागि जाए छलाह. एहन स्थिति मे एहिठाम जोरगर लोक... पाईवाला लोक वर पक्ष के ई कहि अपना पक्ष मे करय लगलाह जे हम सुन्नर... गुणवती लड़की के संग अहां के मोटर गाड़ी... सोना-गहना... खेत... रुपया-पैसा सेहो देब. इलाका मे हमर ई दबदबा अछि त हमर ई प्रतिष्ठा अछि. हमर समांग एतेक पढ़ल-लिखल छथि त ओ फलां-फलां विभाग मे काज करैत छथि. वर पक्ष के अपना पक्ष मे करय लेल कन्या पक्ष के लोक हर संभव जतन करय लगलाह. मिथिला मे दहेज प्रथा एहिठाम सं जोर पकड़ल.
पहिने त शादी योग्य सभ वर पक्ष आओर कन्या पक्ष के लोक एतय जुटय छलखिन्ह. मुदा आब एहिठाम गिनल-चुनल लोक आबय छथिन्ह. आब त गाम-घर पर बैसले-बैसल सभ तय करि लेल जाएत अछि. कन्या के शादी योग्य होएतहिं वर के तलाश शुरू भs जाएत अछि. एहि बातक खोज शुरू भs जाएत अछि कि कोन गाम मे कोन-कोन योग्य लड़का अछि. किनकर बालक नीक पद पर काज कs रहल छथि. कोन लड़का नीक पाई कमा रहल छथि. पता लगतहिं सूत्र तलाश... नेटवर्क जोड़ि वर पक्ष के पक्ष मे करय के कोशिश कएल जाएत अछि. एहन लोक के खोजल जाएत अछि जिनकर धाक वर पक्ष पर चलैत छनि. जिनकर उपकार के बोझक तर ओ दबल रहय छथिन्ह. ओहन लोक के पकड़ि वर पक्ष पर दबाव बनाएल जाएत अछि. वर पक्ष के कर्जा- परेशानी के बारे मे पता लगाएल जाएत अछि. ई सभ पता लगला के बाद ओहिठाम सं सेहो काज बनाबय के कोशिश कएल जाएत अछि. लड़की के लेल नीक... सुयोग्य वर के तलाश ओहिना नहिं पूरा होएत अछि. वर के लेल बड़ तिकड़म करय पड़ै छै.
पहिने त सौराठ सभा मे सभ होएत छल. आब त सभ किछ तय भ गेलाह के बाद लोक सिर्फ पंजीकार सं पंजी मिलान कs विआहक अनुमति लेबय लेल पहुंचय छथिन्ह. पंजीकार ई देखय छथिन्ह जे कन्या पक्ष ओर वर पक्ष के बीच सात पुरखा तक कोनो रक्त संबंध त नहिं छनि. पंजी व्यवस्था मे मातृकुल के ओर सं पांच पीढ़ी आओर पितृकुल के सात पीढ़ी... पुरखा तक खून के रिश्ता के देखल जाएत अछि. अगर एहि बीच मे कोनो संबंध निकलि जाएत अछि त फेर विआह नहि होएत अछि. रक्त संबंध निकलि गेलाह पर विआहक संबंध नहि जोड़ल जाएत अछि.
सौराठ सभा के चमक कम होए के एकटा कारण दहेज विरोधी आंदोलन के सेहो अछि. पिछला किछ साल सं एहिठाम दहेज विरोधी आंदोलन सं जुड़ल लोक सभ सेहो अपन झंडा-बैनर ल पहुंचि जाए छथिन्ह. ओ सभ लोक के दहेज के विरोध मे जागरूक करय छथिन्ह. बताबय छथिन्ह जे दहेज पढ़ल-लिखल... शिक्षित समाज के लेल कलंक अछि. असल मे दुनिया भर मे लोक सौराठ सभागाछी के दूल्हा बाजार नाम सं सेहो जानैत अछि. नौकरी के हिसाब सं दूल्हा... वरक कीमत लगाएल जाएत अछि. आईएएस... आईपीएस... एलाएड... बैंक... एसएससी... टीचर आओर कर्मचारी सभ के अलग-अलग रेट. शादी तय भेलाह के बाद गाम मे चर्चा सेहो होएत रहय छल छल जे फलां के एतेक पाई मिललन्हि... त फलां के विआह एतेक पाई मे तय भ गेल. ओना किछ लोक पर दहेज विरोधी आंदोलन के असर सेहो छनि. ओ आदर्श विआह पर जोर दैत छथिन्ह. एहन होबाको चाही.

Comments

  1. Dear Sirs,
    Please include this news in your next issue of Hallo Mithila.
    1. Shri D Shivanandan Jha took charge as new Police Commissioner of Mumbai today on 13.06.2009 from another bihari Hassan Gafoor, earlier police commissioner, who is promoted to DG.
    2. Smt Mathili Jha is SP of Mira Road, a western suburb of Mumbai.

    Dr. Arvind Jha
    arvind.jha@gmail.com

    ReplyDelete
  2. हम प्रकाश कुमार झा रहिका कोठाटोल,जे कि सौराठ सभा सँ महज 1000 मीटर दुरि पर बसैत छी ।हमरो सौराठ सभा के गरिमा हमर पुर्वज आ अग्रज द्वारा सुनाउल गेल अछिँ।हम एकर दुर्दशा के लेल समस्त मैथिल के दोषी मानैत छि।सिर्फ ईच्छाशक्ति के बल पर हम एकरा पुर्नजिवित नही कय सकैत छिं।हमर विचार मे एकरा लेल समस्त उच्च बर्ग मे आबय बाला लोग के सेहो स्वीकारता लेबय परत जाही मे महापात्र ब्राह्मण से हो आबय छैथ।समस्त ब्राह्मण एकजुट भय क एकर समाधान कय सकैत छी।
    जय मिथिला जय मैथिल, जय भारत

    ReplyDelete
  3. हम प्रकाश कुमार झा रहिका कोठाटोल,जे कि सौराठ सभा सँ महज 1000 मीटर दुरि पर बसैत छी ।हमरो सौराठ सभा के गरिमा हमर पुर्वज आ अग्रज द्वारा सुनाउल गेल अछिँ।हम एकर दुर्दशा के लेल समस्त मैथिल के दोषी मानैत छि।सिर्फ ईच्छाशक्ति के बल पर हम एकरा पुर्नजिवित नही कय सकैत छिं।हमर विचार मे एकरा लेल समस्त उच्च बर्ग मे आबय बाला लोग के सेहो स्वीकारता लेबय परत जाही मे महापात्र ब्राह्मण से हो आबय छैथ।समस्त ब्राह्मण एकजुट भय क एकर समाधान कय सकैत छी।
    जय मिथिला जय मैथिल, जय भारत

    ReplyDelete
  4. हम प्रकाश कुमार झा रहिका कोठाटोल,जे कि सौराठ सभा सँ महज 1000 मीटर दुरि पर बसैत छी ।हमरो सौराठ सभा के गरिमा हमर पुर्वज आ अग्रज द्वारा सुनाउल गेल अछिँ।हम एकर दुर्दशा के लेल समस्त मैथिल के दोषी मानैत छि।सिर्फ ईच्छाशक्ति के बल पर हम एकरा पुर्नजिवित नही कय सकैत छिं।हमर विचार मे एकरा लेल समस्त उच्च बर्ग मे आबय बाला लोग के सेहो स्वीकारता लेबय परत जाही मे महापात्र ब्राह्मण से हो आबय छैथ।समस्त ब्राह्मण एकजुट भय क एकर समाधान कय सकैत छी।
    जय मिथिला जय मैथिल, जय भारत

    ReplyDelete
  5. हम प्रकाश कुमार झा रहिका कोठाटोल,जे कि सौराठ सभा सँ महज 1000 मीटर दुरि पर बसैत छी ।हमरो सौराठ सभा के गरिमा हमर पुर्वज आ अग्रज द्वारा सुनाउल गेल अछिँ।हम एकर दुर्दशा के लेल समस्त मैथिल के दोषी मानैत छि।सिर्फ ईच्छाशक्ति के बल पर हम एकरा पुर्नजिवित नही कय सकैत छिं।हमर विचार मे एकरा लेल समस्त उच्च बर्ग मे आबय बाला लोग के सेहो स्वीकारता लेबय परत जाही मे महापात्र ब्राह्मण से हो आबय छैथ।समस्त ब्राह्मण एकजुट भय क एकर समाधान कय सकैत छी।
    जय मिथिला जय मैथिल, जय भारत

    ReplyDelete
  6. हम प्रकाश कुमार झा रहिका कोठाटोल,जे कि सौराठ सभा सँ महज 1000 मीटर दुरि पर बसैत छी ।हमरो सौराठ सभा के गरिमा हमर पुर्वज आ अग्रज द्वारा सुनाउल गेल अछिँ।हम एकर दुर्दशा के लेल समस्त मैथिल के दोषी मानैत छि।सिर्फ ईच्छाशक्ति के बल पर हम एकरा पुर्नजिवित नही कय सकैत छिं।हमर विचार मे एकरा लेल समस्त उच्च बर्ग मे आबय बाला लोग के सेहो स्वीकारता लेबय परत जाही मे महापात्र ब्राह्मण से हो आबय छैथ।समस्त ब्राह्मण एकजुट भय क एकर समाधान कय सकैत छी।
    जय मिथिला जय मैथिल, जय भारत

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर