नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश के मास्टरस्ट्रोक

एहन मे जखन सभ दल एक- दोसरा के अपना पक्ष मे करय मे लागल अछि. अपना खेमा के लेल आंकड़ा जुटाबय मे लागल अछि. अपन- अपन कुनबा के टूटय सं बचाबय मे लागल अछि. सरकार बनाबय के दावा करय मे जोर- शोर सं लागल अछि. ओहन मे बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के मास्टरस्ट्रोक... ब्रह्मास्त्र सं सब चित्त भ गेल अछि. आओर नीतीश जी के ई मास्टरस्ट्रोक अछि बिहार के विशेष दर्जा देबय के शर्त. नीतीश कुमार के ई बयान आबतहिं सभ पार्टी लोकय मे लागि गेल. सभ पार्टी एक सूर मे समर्थन करैत कहय लागल जे नीतीश के मांग जायज अछि. हम बिहार के विशेष दर्जा देब... त हम देब.
ओना राजनीति के जानकार लोक सभ के कहनाय छनि जे नीतीश कुमार अपन सभ विकल्प खुलल राखय चाहैत छथि. अगर केंद्र मे एनडीए के सरकार बनैत अछि तखन त किछ कहय के गप्पे नहि अछि. बिहार मे ओ बनल रहताह आओर केंद्र मे हुनकर पार्टी के मंत्री रहतन्हि. अगर समर्थन के बदला मे किछ दल के शर्त रहत त आडवाणी जी के जगह पीएम बनय के चांस सेहो रहतन्हि.
मुदा अगर केंद्र मे यूपीए के सरकार बनैत अछि त सभ एमपी के... कुनबा के एकजुट रखनाय मुश्किल होएतन्हि. समाजवादी पार्टी वाला हाल भ सकय छनि. राज्य मे पार्टी के हालत कमजोर भ सकैत छनि. एहन हाल मे विकास के नाम पर यूपीए के समर्थन द बीजेपी सं किनारा क लेथिन्ह . एहि सं नीतीश जी के दुनु हाथ मे लड्डू होएतन्हि. केंद्र आओर राज्य दुनु ठाम भागीदारी. बिहार मे विधानसभा चुनाव के सेहो बेसि दिन नहिं रहि गेल अछि. एहन मे बीजेपी सं हटय के फायदा नीतीश जी के सेहो मिल सकय छनि. अल्पसंख्यक वोट एकमुश्त हुनका मिलि सकय छनि. आओर कांग्रेस अगर बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के कोशिश करैत अछि त नीतीश हीरो बनि जएताह. बिहार मे विकास के मसीहा. आओर अगर केंद्र मे कांग्रेस सरकार के बनाबय मे मदद करय छथिन्ह त हालांकि बीजेपी सरकार सं समर्थन वापस ल नीतीश सरकार के गिरा सकैत अछि मुदा एकर फायदा सेहो नीतीश कुमार के मिलतन्हि. आओर बिहार मे लोकसभा चुनाव जकां सभ सीट पर लड़ि कांग्रेस आओर जेडीयू विधानसभा चुनाव मे नीक सीट लाबि सकैत अछि.
मुदा ई सभ रिजल्ट स पहिने के गप्प अछि . रिजल्ट अएले पर पता चलत जे उंट कोन करवट लैत अछि. आओर फेर बंद डिब्बा मे ककर भाग्य के कि फैसला भेल छै ओ के जानैत अछि. जखन तक रिजल्ट नहिं आबैत अछि तखन धरि लालू प्रसाद यादव जी के सेहो कम नहिं समझिऔ. किछओ भ सकय अ. एक्जिट पोल आ रिजल्ट मे बड़का अंतर भ सकय अछि. जे होए मुदा तखन धरि नीतीश के छक्का सं सभ चकराएल रहताह. अहां के कि लगैत अछि. किछ अहुं सभ अपन विचार राखु.


Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites


TwitIMG

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु