Skip to main content

केना होएत विकास ?

मिथिलाक विकास के लेल सभ मैथिल के एकजुट होए पड़त. बिना एक होने मिथिलाक विकास संभव नहिं अछि. विकास के लेल राज्य के... इलाका के देश के अन्य राज्य... इलाका के संग मुख्यधारा सं जोड़य पड़त. विकास के लेल इंफ्रास्ट्रक्चर पर विशेष खर्च करय पड़त. एकरा लेल सकारात्मक सोच आओर दृढ़ इच्छाशक्ति के जरूरत अछि. ई कहनाय छलन्हि प्रधानमंत्री के आर्थिक सलाहकार आओर बिहार के विकास के लेल बनाएल गेल योजना आयोग के विशेष टास्क फोर्स के अध्यक्ष डॉ सतीश चंद्र झा जीक. श्री झा ‘मिथिलाक समग्र विकास: चुनौती आओर संभावना’ विषय पर आयोजित समारोह मे ई विचार रखलाह. एकर आयोजन अखिल भारतीय मिथिला नवनिर्माण मंच के ओर सं कएल गेल.

मैथिल बुद्धिजीवी सभ सेहो अपन- अपन विचार रखलाह. सभ लोकनि के कहनाय छलन्हि जे मिथिलाक विकास के राह मे सभ सं बड़का बाधा बाढ़ि अछि. साल भर मे विकासक जतेक काज होएत अछि बाढ़ि सभटा के अपना संग बहा कs लs जाएत अछि. एकरा लेल बड़का- बड़का बांध बनयबाक जरूरत अछि. बिना बाढ़िक समस्या के स्थायी समाधान कएने विकासक बात सोचनाय नीक नहिं होएत. बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र जीक कहनाय छलन्हि जे कोसी नदी विवाद के हल निकालय लेल नेपाल के संग समझदारी विकसित करय पड़त. जरूरत पड़ला पर भारत के एहि मुद्दा के अंतर्राष्ट्रीय मंच पर सेहो उठयबाक चाही. एहि मामला के बेसि दिन तक टालल नहिं जा सकैत अछि. लोक के गुस्सा फुटत त फेर सरकार के लेल मुश्किल भs सकैत अछि.

समारोह मे मैथिली-भोजपुरी अकादमी के उपाध्यक्ष अनिल मिश्र जीक कहनाय छलन्हि जे दृढ़ इच्छाशक्ति के बिना विकास संभव नहिं अछि. पूर्व केंद्रीय मंत्री डॉ. संजय पासवान कहलथिन्ह जे लोक के मिथिलाक... बिहारक विकास के लेल सभ के एकजुट होए पड़त. खैनी...तम्बाकू खाय के पड़य रहय वाला प्रवृति के त्यागे पड़त. विधायक महाबल मिश्रा जी कहलाह जे लोक के फुस्सि बाजय के आदत छोड़य पड़तन्हि. ओ अपन मैथिली मे शपथ लेबय के जिक्र सेहो कएलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे विकास के लेल शिक्षा ... पढ़ाई लिखाई पर जोर देबय के जरूरत अछि. प्रसिद्ध इतिहासकार प्रो. डी. एन. झा जी सोशल ऑडिटिंग पर जोर देलखिन्ह ओर कहलथिन्ह जे आगां के बात करय सं पहिने हमरा ई देखय पड़त जे आजादी के एतेक दिन भेलाह के बादो हम एतेक किएक पिछड़ल छी. हमरा ई ध्यान राखय पड़त जे पिछला 60 साल मे कतेक विकास भेल आ विकास नहिं भेल त एकरा लेल के जिम्मेदार छथि.

लेखिका मृदुला सिन्हा जीक कहनाय छलन्हि जे गुजरात के एकटा छोट छिन गाम मे जे विकास भेल अछि ओ हमर शहर मे नहिं अछि. विकास के लेल काज करय के जरूरत अछि. समारोह के

पूर्व सांसद आओर वरिष्ठ राजनयिक डॉ. गौरीशंकर राजहंस सेहो संबोधित कएलखिन्ह. तय भेल जे एकटा ड्राफ्ट तैयार कएल जाए जेहि पर सभ गोटे मिलि - जुलि कs काज करि आओर विकास के ओर अग्रसर होए. ओना 23 टा प्वाइंट के लक्ष्य निर्धारित कएल गेल. जेहि सं मिथिला विकास के राह पर चलि सकय. मंचक अध्यक्ष डॉ रणजीत कुमार मिश्र जीक ई प्रयास नीक रहलन्हि. लोक सभ के जुटानि सेहो नीक रहल. कोनो तरहक जानकारी के लेल मंचक पता अछि -

अखिल भारतीय मिथिला नवनिर्माण मंच

प्लाट नंबर 208, ब्लॉक-एल एक्सटेंशन

मोहन गार्डन , उत्तम नगर, नई दिल्ली-110059

फोन- 098915-98277, 099688-73110

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर