एकजुट होउ सभ मैथिल...

रांची के हरमू मे पिछला दिन मैथिली सम्मान दिवस समारोह मनाएल गेल. एकर आयोजन झारखंड मैथिली मंचक ओर सं कएल गेल. समारोह के अधयक्षता डॉ गुणेश्वर झा जी कएलखिन्ह. एहि अवसर पर सभ गोटे के एकमत सं कहनाय छलन्हि जे मैथिली के विकास के लेल सभ गोटे के एक संग आबय पड़त. मैथिली के पढ़ाई...लिखाई के लेल सभ मैथिल के संगठित होए पड़त. अलग राज्य के लेल मिलि क काज करय पड़त... समारोह के शुरुआत गोसाउनिक गीत सं भेल ओर ओकर बाद अशोक अविचल जीक पुस्तक हमरा देशक भाग मे के लोकार्पण कएल गेल... समारोह मे मौजूद सभ गोटे के कहनाय छलनि जे मैथिली के विकास के लेल अखन धरि सरकारक रवैया सकारात्मक नहिं रहल अछि. चाहे स्कूल मे मैथिली पढ़ाई के गप्प होय आ कॉलेज मे. फेर चाहे बीपीएससी मे परीक्षा देबय के गप्प होय आ यूपीएससी मे. मैथिली के पाछां राखय के प्रयास कएल गेल अछि. मैथिली के सभस बेसि नुकसान आरजेडी शासन काल मे भेल...पढ़ाई सं हटा देल गेल...परीक्षा सं निकाल देल गेल... आओर ओतेक लोक के मातृभाषा होबाक बादो एकरा जे सम्मान मिलबाक चाही से नहिं देल गेल. एहि के लेल अपन मैथिल लोक सेहो जिम्मेदार छी. जे सदिखन अपन मुंह बंद रखने रहलौं आओर पान...तम्बाकू चबाबैत रहलौं...ताश खेलैत रहलौ...माछ-भात खाएत रहलौ...मुदा मैथिली के आगां लाबय लेल किछ नहिं कएलौं...आ फेर पाछा करय वाला के सही सबक नहिं सीखैलौं. चलु आब त जागु.

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?