एकजुट होउ सभ मैथिल...
रांची के हरमू मे पिछला दिन मैथिली सम्मान दिवस समारोह मनाएल गेल. एकर आयोजन झारखंड मैथिली मंचक ओर सं कएल गेल. समारोह के अधयक्षता डॉ गुणेश्वर झा जी कएलखिन्ह. एहि अवसर पर सभ गोटे के एकमत सं कहनाय छलन्हि जे मैथिली के विकास के लेल सभ गोटे के एक संग आबय पड़त. मैथिली के पढ़ाई...लिखाई के लेल सभ मैथिल के संगठित होए पड़त. अलग राज्य के लेल मिलि क काज करय पड़त... समारोह के शुरुआत गोसाउनिक गीत सं भेल ओर ओकर बाद अशोक अविचल जीक पुस्तक हमरा देशक भाग मे के लोकार्पण कएल गेल... समारोह मे मौजूद सभ गोटे के कहनाय छलनि जे मैथिली के विकास के लेल अखन धरि सरकारक रवैया सकारात्मक नहिं रहल अछि. चाहे स्कूल मे मैथिली पढ़ाई के गप्प होय आ कॉलेज मे. फेर चाहे बीपीएससी मे परीक्षा देबय के गप्प होय आ यूपीएससी मे. मैथिली के पाछां राखय के प्रयास कएल गेल अछि. मैथिली के सभस बेसि नुकसान आरजेडी शासन काल मे भेल...पढ़ाई सं हटा देल गेल...परीक्षा सं निकाल देल गेल... आओर ओतेक लोक के मातृभाषा होबाक बादो एकरा जे सम्मान मिलबाक चाही से नहिं देल गेल. एहि के लेल अपन मैथिल लोक सेहो जिम्मेदार छी. जे सदिखन अपन मुंह बंद रखने रहलौं आओर पान...तम्बाकू चबाबैत रहलौं...ताश खेलैत रहलौ...माछ-भात खाएत रहलौ...मुदा मैथिली के आगां लाबय लेल किछ नहिं कएलौं...आ फेर पाछा करय वाला के सही सबक नहिं सीखैलौं. चलु आब त जागु.
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु