वीरपुर सं सड़क सम्पर्क कायम

कोसी मे आएल बाढ़ि केर बाद भारी तबाही भेल. ओना त बाढ़िक पानि जिम्हर- जिम्हर गेल ओतय खूब तबाही भेल... मुदा एक तरहे कहि सकय छी जे सभ सं बेसि तबाही झेललक वीरपुर इलाका. कुसहा बांध टूटला केर बाद पहिल पानिक सामना एहि इलाका के लोक के भेल . वीरपुर इलाका के कइटा गाम बहि गेल... लोक त लोक... माल-जालक कोनो नामोनिशान नहिं रहल. ऊंच जगह आओर पक्का मकान मे रहय वाला किछ लोक बचलाह. मुदा कोसीक वेग के आगां सड़क ... घर- द्वार सभ बहि गेल. बांध टूटला केर बादहिं सं कहि सकय छी वीरपुरक सम्पर्क भीमनगर दिस सं कटल छल लोकक कतहुं आबय जाय के सहारा पैदय या नाव छल. मुदा आब भीमनगर-वीरपुरक बीच सड़क सम्पर्क फेर सं बनि गेल अछि. अनाय-जनाय फेर सं शुरू भs गेल अछि. जीवन फेर सं पटरी पर आबैत दिखि रहल अछि. ओना अखनो लोक के बड़ परेशानी के सामना करय पड़ि रहल अछि. ठंडा केर मौसम अछि रहय-सहय के नीक व्यवस्था नहिं अछि . सरकार आओर एनजीओ दिस सं किछ राहत मिलि रहल छै मुदा ओ एतेक नहिं रहय छै जे नीक सं पालन भs सकय.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)