बॉलीवुड म्यूजिकल नाईट

बाढ़ि पीड़ित केर मदद के लेल दरभंगा मे बॉलीवुड म्यूजिकल नाईट के आयोजन कएल जा रहल अछि. ई आयोजन नेहरू स्टेडियम मे 7 दिसंबर के होएत. म्यूजिकल नाईट के आयोजन गायत्री फाउंडेशन के ओर सं कएल जा रहल अछि. आयोजक के कहनाय छन्हि जे एहि मे गायक मोहम्मद अजीज आओर शब्बीर कुमार के संग लिटिल चैंप दिवाकर... अभिनेत्री किम शर्मा आओर हास्य कलाकार सुनील पाल शामिल होएताह. एहि कार्यक्रम के लS क लोक सभ मे काफी उत्साह छन्हि. लोक सभ के 7 दिसम्बर के इंतजार छन्हि. टिकट खत्म नहिं भ जाए ताहि लेल पहिनहि सं टिकट कटाबय मे लागल छथि. ओना 26 तारीख तक टिकट कटएलाह पर किछ छूट सेहो देल जा रहल अछि.


Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मोन मिथिले मे अछि...

दरभंगा मे नवाह यज्ञ

कि इहे सभागाछी अछि ?

जिम्मेदार के ?

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा