नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बोर्ड परीक्षा फीस माफ


      कोसीक बाढ़ि सं प्रभावित इलाका मे बोर्ड के परीक्षा देबय वाला विद्यार्थी सं कोनो परीक्षा फीस नहिं लेल जाएत. परीक्षा फॉर्म भरय के लेल... रजिस्ट्रेशन फीस केर नाम पर विद्यार्थी सं मात्र एक रुपया लेल जाएत.  बिहार विद्यालय परीक्षा बोर्ड के अनुसार अगिला साल होए वाला दसवीं आओर 
बारहवीं के बोर्ड परीक्षा के लेल ई छूट देल गेल अछि. 
ओना बारहवीं (इंटर ) के परीक्षा के लेल फॉर्म भराय 850 रुपया... आओर दसवीं (मैट्रिक ) के लेल फॉर्म भराय 650 रुपया लेल जाएत अछि . एहि सं सरकार के करीब दस करोड़ रुपया के नुकसान अछि.  मुदा लोक कल्याण के लेल ई सरकार के नीक कदम अछि.  बोर्ड ई कदम मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी के आग्रह पर उठयलक अछि.  ई छूट कोसीक बाढ़ि सं प्रभावित सिर्फ 6 जिला केर विद्यार्थी के मिलत.   ई जिला अछि सहरसा... पूर्णिया...  मधेपुरा... सुपौल... अररिया आओर कटिहार.  बिहार विद्यालय परीक्षा बोर्ड  के एहि कदम सं इलाका के करीब डेढ़ लाख विद्यार्थी के फायदा होएत.  मुदा फीस नहिं लागत एकर मतलब फॉर्म नहिं भरनाय नहिं अछि.  विद्यार्थी के फॉर्म भरनाय जरूरी अछि आओर एहि फॉर्म के लेल सिर्फ एक रुपया लागत.  एहि  फॉर्म भरला केर बाद परीक्षा के समय जे एडमिट कार्ड मिलत ओहि सं परीक्षा हॉल मे प्रवेश मिलत.  ताहि लेल परीक्षा फॉर्म भरय मे कोनो विलंब नहिं होबाक चाही.   फॉर्म भरय के आखिरी दिन अछि 21 नवंबर.  विद्यार्थी सभ के चाही जे जल्दी स जल्दी फॉर्म भरि पढ़ाई लिखाई पर जोर शोर सं जुटि जएथिन्ह.  ओना टीचर... मास्टरजी सभ के सेहो कहल गेल छनि जे बाढ़ि सं प्रभावित इलाका मे बाढ़ि के कारण जे पढ़ाई के नुकसान भेल अछि ओकर भरपाई एक्स्ट्रा क्लास लs कएल जाए. मुदा एहि के लेल विद्यार्थी सभ के... अभिभावक सभ के सेहो आगां आबय पड़तन्हि जे मास्टर जी क्लास लेबय लेल स्कूल मे आबथिन्ह. हुनका ई देखय पड़तन्हि जे मास्टरजी क्लास मे आबय छथिन्ह कि नहिं.  बौआ सभ के भविष्य केर लेल एतेक तs करहे पड़त.

1 टिप्पणी:

  1. बाईढ़ प्रभावित विद्यार्थी केर लेल परीक्षा शुल्क माफ़ करवाक नितीश कुमार सरकारक घोषणा एकटा उचित और विवेकपूर्ण निर्णय अछि. बाईढ़ में जिनकर सब किछु दहा गेल छैन तिनका सब केर लेल एकटा पैघ राहत छैन.
    मनोरंजन कुमार झा.
    मुख़र्जी नगर, दिल्ली.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु