बिहार मे एहि साल छहटा नबका इंजीनियरिंग कॉलेज मे पढ़ाई शुरू भs जाएत. एहि मे सं तीन ठाम दरभंगा... गया आओर मोतीहारी मे पहिल चरण मे पढ़ाई शुरू होएत. बिहार मे अखन भागलपुर आओर मुजफ्फरपुर इंजीनियरिंग कॉलेज मे पढ़ाई भ रहल अछि. एहि के बाद सीतामढ़ी...नालंदा के चांडिल आओर मधेपुरा मे पढ़ाई शुरू होएत. पढ़ाई के लेल जरूरी काज भs रहल अछि. इंजीनियरिंग केर पढ़ाई के लेल हर साल बिहार सं हजारों विद्यार्थी दोसर राज्य जाइ छथि. ई कॉलेज बनला के बाद एहि पर रोक लगय के उम्मीद अछि. एहि साल बिहार मे आईआईटी के पढ़ाई सेहो शुरू भेल अछि. अगिला साल बिहार मे 20टा सरकारी इंजीनियरिंग कॉलेज मे पढ़ाई शुरू करय के सरकार के लक्ष्य अछि . एहि सभ कॉलेज मे दाखिला के लेल संयुक्त इंजीनियरिंग परीक्षा होएत. संयुक्त परीक्षा सं चुनला के बाद एहि कॉलेज में नाम लिखाएल जाएत. एहि साल जेहि कॉलेज मे पढ़ाई शुरू भs रहल अछि ओहि मे कम्प्यूटर... मेकैनिकल ... इलेक्ट्रॉनिक्स आओर कम्यूनिकेशन केर तीनटा ब्रांच शामिल अछि. हर ब्रांच मे 60-60टा सीट रहत ...एहि तरहे हर कॉलेज मे अखन 180 टा विद्यार्थी के नाम लिखाएत.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु