नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दऱभंगा में बनत शॉपिंग मॉल

दरभंगा में जल्दीए एकटा मॉल बनय जा रहल अछि. जे लोकनि दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता... हैदराबाद... अहमदाबाद ... नोएडा... या कोनो पैघ शहर गेल होताह वो मेट्रों या बड़का शहर में ओ शॉपिंग मॉल जरूर देखनेहोयथिन्ह. बड़ रमन चमन बनल रहय छै. एके ठाम सभ किछ मिलि जाइत अछि. घरक सभ सामान खरीदयलेल दोकाने- दोकान दौड़य के जरूरत नहिं. बस कोनो शॉपिंग मॉल में घुसु आओर घरक सभ सामान खरीद कएनिकलु. सेहो बाजार सं कम दाम पर. सदिखन कोनो नहिं कोनो स्कीम चलिते रहैत अछि. चमचमाइत दोकान... सामान भरक दोकान... सामान खुद देखि कय लिअ. उलटि-पलटि देखि के देखि लिअ. पसंद नहिं अई दोसर दिन आउ. दोसर दोकान देखु. एके छत के अंदर कइटा दोकान. बड़का बड़का ब्रांडक ... कंपनीक शो रुम... दिल्ली बम्बई के दोकानदारी के मजा दरभंगे में मिलय कतेक नीक लागत. भेल खरीदारी के बात. एहिठाम खाई पिबय लेल सेहो नीक दोकान सभ रहय छै. देश विदेशक खान पान के सेहो मजा लिअ. अगर सेहो से मननहिं भरय फिल्म सेहो देखु. जतेक बडका शॉपिंग मॉल रहैत अछि ओहि में मनोरंजन के सेहो नीक व्यवस्थारहय छै. एकटा नहिं...तीन चारि टा सिनेमा हॉल एके ठाम मिलि जाइत.
दरभंगा में जे मॉल बनय के खबर छै सेहो काफी फैल जगह में बनि रहल अछि चारि. ई मॉल पांच मंजिसा बनत जहि में मंजिल में दोकान रहत आओर सभस ऊपरका पर दुटा सिनेमा हॉल. एक मायने में मिथिलाक पहिलमॉल होयत. दरभंगा में दिल्ली रोड के पास बनत. खबर ईहो अछि जे मॉल फिल्मकार प्रकाश झा बना रहलछथिन्ह. हिनकर बनायल फिल्म दामुल... परिणति... मृत्युदंड... अपहरण काफी चर्चित रहल अछि. अगर एहि ठाम काज ठीकठाक रहल त एकटा मॉल झंझारपुर में सेहो बनायल जायत.

1 टिप्पणी:

  1. बड्ड नीक लिखलियई अहां.. एनैहे लिखू..
    हमरा मैथिली में लिखै नई आवईया से क्षमाप्रार्थी छीः.. :)

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु