नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कटिहार जोगबनी बड़ी लाइन

नया साल सं कटिहार आओर जोगबनी के बीच बड़ी लाइन बिछाबय के काज शुरू होयत. इलाका के लोकक लेल ई नबका साल सही मायने में किछ नब साबित होयत. छोटी लाइन के बड़ी लाइन में बदलय के तारीख तय क देल गेल छै. एक तारीख सं काज शुरू भ जायत. अधिकारी गण सभके कहनाय छैन जे मार्च के अंत तक काज पूरा भ जायत. तखन तक यानी तीन मास तक कटिहार सं जोगबनी के बीच जे अखन तक छोटी लाइन छल ओ बंद रहत. एकरा बदलय के काज होयत. एहि सं एतय के लोक सभ के अखन कनि परेशानी त जरूर होयत... मुदा जखन मार्च के बाद काज पूरा भय जायत त सुविधा सेहो खुब मिलत. आब एहि ठाम सं सीधा दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता जा सकय छी... कोनो ठाम गाड़ी बदलय के झंझट नहिं.
कटिहार सं जोगबनी के बीच जे अखन जे छोटी लाइन अछि... ओहि पर पटरी बिछाबय के काज 1878 में शुरू भेल छल आओर 1887 सं एहि पर ट्रेन चलनाय शुरू भेल. आब एहिठाम 120 साल बाद फेर सं विकासक बयार चलत. कहि सकय छी जे आजादी के बाद मिथिलांचल के विकास पर जे ध्यान देबाक चाहि छल ओ नहिं देल गेल. अखनो अपन इलाका देश के दोसर इलाका सं काफी पिछड़ल अछि.
नया साल सं जे पटरी बदलय के काज शुरू होयत ओ गुवाहाटी रेंज के मुख्य अभियंता के देखरेख में भ रहल अछि. आओर मार्च के आखिर में जखन काज पूरा भ जायत त सुरक्षा अधिकारी एकर जांच करताह. जांच में सब किछ ठीक निकलला पर ओ सुरक्षा संबंधी प्रमाण पत्र देथिन्ह जे एहि रुट पर गाड़ी के परिचालन कएल जा सकय अ. तखने गाड़ी चलत. भ सकय अ सुरक्षा कारणे...जांच आदि में किछ आओर टाइम लगि जाय. चलु किछ टाइम लगय मुदा एकटा बड़का काज होबय जा रहल अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु