नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रिव्यू: एप्सन एल 485 ऑल इन वन इंक टैंक प्रिंटर

एप्सन एल 485 एकटा कॉम्पैक्ट, मल्टी फंक्शन ऑल इन वन प्रिंटर अछि। ई अहांके काफी कम खर्च मे मोबाइल ऐप के संग वाई-फाई आओर वाई-फाई डायरेक्ट केर सुविधा प्रदान करैत अछि। एहि प्रिंटर सं अहां अपन घर या ऑफिस, कतहुं बैसल-बैसल प्रिंट लs सकैत छी। एहिमे एकटा
एलसीडी स्क्रीन सेहो लागल अछि, जेहि सं  प्रिंट, फोटो कॉपी या स्कैन करनाय काफी आसान भs जाएत अछि।

एहि प्रिंटर में इंक के टैंक प्रिंटर सं बाहर होए के कारण इंकक लेवल देखैत रहनाय एकदम सं आसान अछि। एहिमे कॉर्टिरेज लगाबय आ फेर भरवाबय के झंझट सेहो नञि अछि। कॉर्टिरेज वाला प्रिंटर मे बेसि दिन पड़ल रहला पर इंक के सूखय के डर लगल रहैत अछि, जखन कि इंक टैंक प्रिंटर मे ऐहन नञि अछि। एहि कारणे इंक टैंक प्रिंटर मे खर्च कम पड़ैत अछि।


एप्सन एल 485 एकटा ऑल इन वन प्रिंटर अछि। एहि कारणे अहां एहि सं प्रिंट लेबय के संग स्कैन आ फोटो कॉपी सेहो कs सकैत छी। एप्सन आईप्रिंट, एयरप्रिंट आओर गूगल क्लाउड प्रिंट के संग, वाई-फाई आओर वाई-फाई डायरेक्ट सं सीधा प्रिंट लs सकैत छी। एतबे नहि एहि प्रिंटर मे अहां कतहुं सं इ-मेल सं सेहो प्रिंट लs सकैत छी। एहि प्रिंटर के एकटा पैघ खुबी एहि मे एसडी कार्ड लगा कs बिना कंप्यूटर ऑन करने प्रिंट लेबय के सुविधा सेहो अछि।

एहि एप्सन एल 485 प्रिंटर केर आगा दिस एकटा1.44 इंच केर एलसीडी स्क्रीन लागल अछि। ई एकदम सं एकटा छोटका फोन जकां अछि। एहि एलसीडी स्क्रीन सं प्रिंट, फोटो कॉपी आ स्कैन केर ऑप्शन चुननाय काफी आसान भs जाएत अछि। एहि स्क्रीन सं अहां प्रिंटर के सेटअप के संग फर्मवेयर अपडेट, नोजल चेक, हेड क्लिनिंग, हेड अलाइनमेंट सेहो कs सकैत छी।

एहि प्रिंटर मे अहां अपन मोबाइल सं सेहो प्रिंट लs सकैत छी। एहि लेल अहां के अपन मोबाइल मे एप्सन आईप्रिंट ऐप डाउनलोड करय पड़त। एहि ऐप सं अहां कतहुं सं प्रिंट के कमान दsक प्रिंट लs सकय छी। प्रिंटर के आगां मे एकटा एसडी कार्ड स्लॉट बनल अछि, एहि मे अहां मेमोरी कार्ड डालि कs बिना कंप्यूटर के सेहो प्रिंट लs सकैत छी।

एहि मे अहां काफी तेजी सं नीक क्वालिटी के प्रिंट लs सकैत छी। एहि मे ब्लैक प्रिंट 10 पेज आओर कलर प्रिंट 5 पेज प्रति मिनट के हिसाब सं निकलैत अछि। प्रिंट के संग एकर स्कैन आओर फोटो कॉपी केर क्वालिटी सेहो नीक अछि।


एहि Epson L485 में प्रिंट, स्कैन आओर फोटो कॉपी करनाए सेहो काफी सस्ता पड़ैत अछि। एक बेर एकर इंक टैंक फुल कs दिऔ तं अहां हाई क्वालिटी वाला कलर 7500 पेज आओर 4500 ब्लैक एंड व्हाइट पेज प्रिंट कs सकय छी। एहि में इंक भरनाए सेहो काफी आसान अछि। अगर अहां अपन घर या छोट-मोट ऑफिस लेल प्रिंटर लेबय चाहय छी तखन ई नीक ऑप्शन अछि। 16 हजार टका मे ई अहां लेल वैल्यू फॉर मनी अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु