नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश के मनमोहन जीतन मांझी!

बिहार के नवका मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी की नीतीश कुमार के मनमोहन सिंह साबित होएताह? बिहार के लेल की ई नीक बात अछि?

नीतीश कुमार अपन मान राखय लेल की बिहार के फेर पिछड़ापन आओर जात-पात के राजनीति मे धकेल रहल छथिन्ह?

सिर्फ एहि लेल की नरेंद्र मोदी सं पाला नञि पड़य... कोनो प्रोटोकॉल के तहत मोदी
जी के स्वागत करय नञि पड़य... सुशासन बाबू बिहार के दांव पर लगा रहल छथिन्ह.

की आब फेर बिहारक विकास कोनो मायने नहि राखत? की जेना रिमोट कंट्रोल सं मनमोहन सिंह के यूपीए सरकार चलैत रहल. जेना करप्शन...महंगाई आओर घोटाला के चक्कर मे देश पिछड़ैत रहल ओहिना हाल बिहार से सेहो होएत की?

कठपुतली सरकार के माध्यम सं नीतीश पार्टी आओर सरकार दूनु पर अपन पकड़ बना राखय चाहय छथिन्ह. अगर ओ एना करताह तं फेर अगिला साल होए वाला चुनाव मे इहे हाल के सामना करताह.

देश जखन जात-पात आ धर्म के राजनीति सं दूर जा रहल अछि नीतीश जी महादलित कार्ड खेल अपना चक्कर मे राज्य के एहन-तेहन करि रहल छथिन्ह.

मुख्यमंत्री रहय के दौराम नीतीश जी तानाशाह के तरह काज करैत रहलाह. अपना आगा ककरो किछ नहि समझलाह. कोनो मंत्री के एहन नहि बनौलाह जे नंबर दू के तौर पर काज करताह.

हिनका छोड़ि जेडीयू के कोनो नेता एहन नञि छथिन्ह जिनका पूरा बिहार मे काज के लेल जानल जाएत होए. हिनका छोड़ि कोनो मंत्री के काज...परफर्मेंस नीक नञि रहल अछि. अगर नीतीश जी जकां हिनकर पार्टी के दोसरो मंत्री...एमएलए काज करैत तं बिहार मे पार्टी के ई हाल नञि भेल रहैत.

दोसर के तं छोड़ु राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव तक हारि गेलाह. बिहार के सुशासन बाबू के पार्टी के 40 मे सिर्फ दू सीट.
अगर नैतिकता के आधार पर इस्तीफा देलखिन्ह तं विधानसभा भंग करय के सिफारिश करि फेर सं चुनाव करा वापस आबय के चाहय छलन्हि हिनका.

ओहिनो अगिला साल बिहार मे विधानसभा चुनाव होए वाला अछि आ अगर काज नञि करताह तं ओहि चुनाव मे मतदाता लालू यादव वाला हाल करि देथिन्ह. लालू यादव खुद राबड़ी देवी आ मीसा भारती के सीट नञि बचा पएलाह.

अहां के की लगैत अछि बिहार आगां बढ़ि रहल अछि आ मनमोहन जकां रिमोट सरकार के दौर मे?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु