गुजरात के मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी शनिदिन आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव के फोन करि हुनकर हालचाल पूछलखिन्ह.
लालू जी शुक्रवार राति के एकटा एक्सीडेंट मे घायल भ गेलाह. मोदी जी फोन करि हुनकर सेहत के बारे मे पूछलखिन्ह आओर जल्दी स्वस्थ होए के कामना कएलखिन्ह.
बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री लालू जीक गाड़ी के शुक्रवार राति करीब दस बजे
राघोपुर... वैशाली जाए काल कच्ची दरगाह के पास पीपा पुल पार करैत समय एक्सीडेंट भ गेलन्हि. एहि मे हुनकर गाड़ी के अगिला शीशा टूटि गेलन्हि आओर आगां बैसय के कारण ओ शीशा हिनकर माथ मे समा गेलन्हि.
हिनका तुरंत एकटा प्राइवेट अस्पताल मे ल जाSक इलाज कराएल गेलन्हि. माथ मे दूटा टांका लगल छन्हि.
लालूजी के टांका लगौला के बाद अस्पताल सं छुट्टी द देल गेलन्हि.
लालू जी के घायल होए के खबरि सुनि खुद प्रधानमंत्री सेहो फोन करि हुनकर हालचाल जानलखिन्ह.
No comments:
Post a Comment
अहांक विचार/सुझाव...