बिहार मे मंत्री जीके आईडी कार्ड

बिहार मे आब मंत्री जी के सेहो पहचान पत्र...आईकार्ड बनत. मुदा सवाल ई उठैत अछि जे अखन धरि मंत्री जीके आईकार्ड बनैत किएक नहि छल.

आईकार्ड तं आम लोक...नौकरीपेशा... एमएलए...एमपी आ फेर कोनो वीआईपी होए...होबाके चाही. आईकार्ड नहि भेलाह पर दस तरहक परेशानी होएत अछि.

कई बेर तं खबर आएल जे फलां मंत्री जीके...एलएमए जीके
नाम पर यात्रा करैत चारिटा लोक पकड़ैलाह.

लोक आ सुरक्षाकर्मी...सिक्यूरिटी वाला तं हर मंत्री जीके नहि पहचानैत छथिन्ह. दोसर के बात छोडु हम खुद ऊपर के दू चारिटा पैघ नेता के छोड़ि आओर मंत्री जीके चेहरा सं नहि पहचानय छिएन्हि.

एहन मे कई बेर तं मंत्रीजी के कोनो दौरा पर आ कोनो ऑफिस मे गेलाह पर आईकार्ड नहि भेलाह के कारण सुरक्षाकर्मी हुनका भीतर नहि जाए दै छथिन्ह.सुरक्षा के लेल ई जरूरी अछि.

कई चीज के गौर करैत बिहार सरकार ई फैसला करलक अछि जे आब सभ मंत्री जी अपन आईकार्ड लsक चलताह.

एहि लेल आईकार्ड बननाय शुरू भ गेल अछि. जल्दीए ई काज पूरा भ जाएत.

तं आब हमरा अहां-जकां सिर्फ नौकरी करय वाला नहि बल्कि मंत्री जी सेहो गला में आईकार्ड लटकौने रहताह.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग