नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहारक सेंटर ऑफ एक्सीलेंस कॉलेज


बिहारक 49 कॉलेज के सेंटर ऑफ एक्सीलेंस के दर्जा देल जाएत. सेंटर ऑफ एक्सीलेंस के लेल जेहि 49 कॉलेज के चुनल गेल अछि ओ अछि...

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के सी.एम.कालेज, सी.एम.साइंस कालेज, आर.के.कालेज-मधुबनी, समस्तीपुर कालेज-समस्तीपुर आओर जी.डी.कालेज-बेगूसराय.

एहिना बीआर अम्बेदकर बिहार विश्वविद्यालय, मुजफ्फरपुर सं एल.एस.कालेज,
एम.डी.डी.एम कालेज, आर.डी.एस कालेज, एम.पी.सिन्हा साइंस कालेज, आर.एन.कालेज-वैशाली, एस.आर.के.जी.कालेज-सीतामढ़ी आओर एम.एस.कालेज-चंपारण के चुनल गेल अछि.

जखन कि भागलपुर विश्वविद्यालय के टी.एन.बी.कालेज, एस.एम.कालेज, आरडी एंड डीजे कालेज-मुंगेर, पी.बी.एस.कालेज-बांका, आर.डी.कालेज-शेखपुरा आओर के.के.एस कालेज-लखीसराय शामिल अछि.

बी.एन.मंडल विश्वविद्यालय मधेपुरा सं आर.एम.कालेज-सहरसा, टी.पी. कालेज-मधेपुरा, एच.एस.कालेज-किशनगंज, बी.एस.एस.कालेज-सुपौल, अररिया कालेज-अररिया, पूर्णिया कालेज-पूर्णिया आओर डी.एस.कालेज-कटिहार के सेंटर ऑफ एक्सीलेंस कॉलेज के दर्जा देल जाएत.

जयप्रकाश विश्वविद्यालय के राजेन्द्र कालेज, जगदम कालेज, राजा सिंह कालेज-सिवान आओर महेन्द्र महिला महाविद्यालय-गोपालगंज जखन कि कुंवर सिंह विश्वविद्यालय के एच.डी.जैन कालेज, एम.एम.महिला कालेज आओर एस.पी.जैन कालेज-सासाराम के शामिल कएल गेल अछि.

मगध विश्वविद्यालय केर ए.एन.कालेज, अरविंद महिला कालेज, बी.डी.इवनिंग कालेज, कालेज आफ कामर्स, ए.एन.एस.कालेज-बाढ़, गया कालेज-गया, जे.डी.वीमेंस कालेज, नालंदा कालेज-बिहारशरीफ, एस.एन.एस कालेज-जहानाबाद आओर एस.एन.एस कालेज-नवादा आओर

पटना विश्वविद्यालयक पटना कालेज, साइंस कालेज, पटना वीमेंस कालेज, वाणिज्य महाविद्यालय, बीएन कालेज, मगध महिला कालेज आओर कालेज आफ आर्टस एंड क्राफ्ट के सेहो सेंटर ऑफ एक्सीलेंस कॉलेज मे शामिल कएल गेल अछि.

एहि सेंटर ऑफ एक्सीलेंस कॉलेज के चयन मानव संसाधन विकास विभाग के तरफ सं कएल गेल अछि.


click here

Share/Save/Bookmark


click here

हमर ईमेल:-info@hellomithilaa.com


Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु