नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी पेंटिंग पर ज़ोर

बिहार सरकार मधुबनी पेंटिंग... मिथिला पेंटिंग के बढ़ावा देबय लेल पूरा जोर लगाबय जा रहल अछि. सरकार के कोशिश एकरा दुनिया भर मे स्थापित करय के... लोकप्रिय बनाबय के आओर एकर कलाकार के एकटा नवका पहचान दिलाबय के अछि.

एहि लेल सरकार एहि मास 22 मार्च सं साल भर मनाबय जा रहल बिहार उत्सव के मौका पर देश भर मे मिथिला पेंटिंग के जमिsक प्रचार-प्रसार
करत. पटना के संग दिल्ली आओर दोसर शहर मे प्रदर्शनी लगाएल जाएत.

एकर झलक अहां पटना के गांधी मैदान आओर दिल्ली मे सेहो देख सकय छी. कलाकार सभ सं व्यक्तिगत रूप सं भेंटघांट सेहो करि सकय छी. जे अपन करियर एहि क्षेत्र मे बनाबय चाहय छथिन्ह हुनकर मार्गदर्शन सेहो कएल जाएत.

एकरे संग सरकार पर्यटन के क्षेत्र मे काफी प्रगति के देखैत राज्य के सभ पर्यटक स्थल पर मिथिला पेंटिग लगाबय के सेहो विचार करि रहल अछि. पर्टयन के इ हाल अछि जे गोवा सं बेसि पर्यटक बिहार आबि रहल छथिन्ह.

सरकार के कोशिश एहि ट्रेंड के भुनाबय के अछि. सरकार हर ठाम मधुबनी पेंटिंग के लगाबय के संग-संग एहि बारे मे पर्यटक के पूरा जानकारी देबय... पेंटिंग बिक्री के सेहो इंतजाम करि रहल अछि.

एहि सं कलाकार के अपन मेहनत के उचित कीमत मिलतन्हि. कोशिश बीचक दलाल के... ब्रोकर के हटाबय के सेहो अछि. एहन व्यवस्था कएल जाएत जेहि सं लोक डायरेक्ट कलाकार सं पेंटिग खरीदताह.

सरकार एकटा आओर कोशिश ग्रामीण पर्यटन के विकास के रूप मे करि रहल अछि. एहि मे बाहर सं आबय वाला लोक के गाम-घर के रहन-सहन... खान-पान... कला-संस्कृति के बारे मे बताएल जएतन्हि. गाम के लsजाsक कलाकार के मधुबनी पेंटिंग बनाबैत देखाएल जएतन्हि.

मधुबनी पेंटिंग के म्यूजियम बनाएल जाएत...बिक्री केंद्र खोलल जाएत. एहि सभ के देखैत लगैत अछि जे मिथिला पेंटिंग के दिन फेर सं बहुरत. लोक सभ के सेहो एकर विकास मे सहयोग करबाक चाही.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु