नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अविनाश जी करताह अमृतवर्षा

मोहल्ला ब्लॉग आओर मोहल्ला लाइव डॉट कॉम के मॉडरेटर अविनाश दासजी अमृतवर्षा करय लेल तैयार छथि. अविनाश जी अमृतवर्षा अखबारक संपादक बनलाह अ. धनबाद सं शुरू भेल अमृतबर्षा आब दिल्ली मे अपन खबरक अमृत बरसाएत. अविनाश जीक कहनाय छनि जे ई एकटा छोट पूंजीक पैघ कोशिश अछि. अविनाश जीक कोशिश एहि अखबार मे 29 साल बाद फेर सं नवका जान फूंकय के होतन्हि. देशक राजधानी दिल्ली सं ओना त कइटा अखबार निकलैत अछि मुदा अविनाश जीक सभ सं पैघ चुनौती छनि लोक के पुरनका तेवर...अंदाज... विश्वसनीयता के संग खबर देबय के...आओर दोसर पेपरक भीड़ मे अपन एकटा अलग स्थान बनाबय के. अविनाश जीके रायसीना हिल के सत्ताsक गलियारा सं लsक गाम-घरक टोला-मोहल्लाक सेहो ध्यान राखय पड़तन्हि. आओर अविनाश जी जेना मोहल्ला के हिट करयने छथिन्ह ओहि सं अहां सभ निश्चिंत भs सकय छी जे ओ लोकक नस जानय छथिन्ह कि...किनका की चाही. प्रभात खबर... एनडीटीवी... दैनिक भास्कर के अनुभव हिनका लेल फायदेमंद रहतन्हि. प्रिंट...टीवी आओर वेब तीनु माध्यम के अनुभव हिनकर चुनौती के राह के आसान करतन्हि. 
अविनाशजी के पत्रकारिता सं जुड़ल किछ नीक लोक के जरूरत सेहो छनि. अगर अहां हिनका संग काज करय चाहय छी त हिनका सं सम्पर्क कs सकय छी. हिनकर पता छनि:
अविनाश दास
संपादक,
अमृतवर्षा,
401, प्रताप भवन
आईटीओ, नई दिल्ली
ईमेल: avinashonly@gmail.com
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com







कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु