नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा मे बाढ़ि सं हाल खराब...

दरभंगा मे बाढ़ि के हालत गंभीर बनल जा रहल अछि. जिला के कई इलाका मे पानि धुसि गेल अछि. शहर के निचला इलाका मे सेहो बागमती के पानि आबि गेल अछि. जिला के करीब दर्जन भर ब्लॉक के गाम बाढ़ि के पानि मे डूबि गेल अछि. केवटी... जाले... कुशेश्वरस्थान... बिरौल... घनश्यामपुर... कीरतपुर के हाल खराब बनल अछि. सरकारी मदद नहि के बराबर अछि. एहि सं लोक मे काफी गुस्सा अछि. दरभंगा सं हमर गाम केवटी जाए के बीच मे खिरमा के पास सेहो रोड पर ठेहुन भर पानि बहि रहल अछि. लोक के अनाय-जनाय रुकल पड़ल अछि. किछ लोक हिम्मत कs क आबिओ जा रहल छथिन्ह त भगवान के नाम लs क. ई दरभंगा-जयनगर के जोड़य वाला हाइवे अछि. मुदा एकर हाल कोनो खरंजा वाला रोड सं सेहो बदतर बनल अछि. कमिश्नर साहेब एहिठाम आबि लोक सभ के मदद देबय के ... राहत बांटय के निर्देश देलखिन्ह मुदा सभ देखावटी काज भs रहल अछि.
रोड सं दूर गाम के लोक सभ अपन माल मवेशी... धिआ-पुता... परिवार के लs क रोड पर आबि गेल छथिन्ह... स्कूल मे शरण लेने छथिन्ह. एक गप अछि जे एहन हाल मे लोक एक दोसरा के मदद करय लेल सेहो आगां आबय छथिन्ह. ओना किछ लोक एहनो समय मे फायदा उठाबय चाहय छथिन्ह. सामान सभ के दाम दोगुना- तिगुना मांगय छथिन्ह.
पिछला कई दिन भेल झमैटगर पानि के कारण स्थिति आओर खराब भेल अछि... दोसर नेपाल दिस सं सेहो पानि के अनाय जारी अछि. बागमती... कमला बलान... भूतही बलान... कोसी सभ मे पानि उफान मारि रहल अछि. पानि घुसि जाए के कारण कइटा गाम टापू जका बनि गेल अछि. लोक के आबय जाए के सहारा बस नाव अछि. मुदा नाव नहि होनाए सेहो एकटा समस्या अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


No comments:

Post a Comment

अहांक विचार/सुझाव...