ममता बनर्जी के रेल बजट सं लोक के काफी उम्मीद छनि. उम्मीद त पूरा देश के छनि. मुदा हुनकर राज्य पश्चिम बंगाल के लोक के किछ बेसिए छनि. उम्मीद अछि जे ओ लोक के निराश नहि करतीह. बंगाल के लेल किछ नवका ट्रेन शुरू होए के उम्मीद अछि आओर किछ नबका परियोजना सेहो शुरू भ सकैत अछि.
बिहार के लोक के नजर सेहो ममजा जी पर छनि. लालू यादव जीक शुरू कइल कइटा परियोजना अधर मे लटकल अछि. चाहे ओ रेल कारखाना के होए आ छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के... आ फेर नबका लाइन बनाबय के. आब देखिऔ ममता जी कि करय छथिन्ह.
ओना हुनकर एहि रेल बजट सं लोक के माननाय छनि जे ममता जी तत्काल रेल टिकट मे किछ सुधार करतीह. अखन तत्काल सं सेहो टिकट मिलनाय मुश्किल रहैत अछि. स्टेशन पर सुविधा के सेहो काफी कमी रहैत अछि. खान-पान... सुरक्षा के मामला पर सेहो ध्यान देल जाएत. पिछला किछ दिन मे ट्रेन मे लूटपाट... जहरखुरानी... छेड़छाड़ के मामला बढ़ल अछि. स्टेशन पर आम लोक के लेल खाए-पीबए लेल नीक सुविधा नहि मिलैत अछि.
ट्रेन के रिजर्वेशन सिस्टम मे सेहो सुधार के जरूरत अछि. तीन मास पहिनहु कतहु जाए के प्लान बनाउ. मुदा कंफर्म टिकट नहि मिलत. टिकट एजेंट ते किच पाई दिअउ...कंफर्म टिकट द देत. कहीं न कहीं त किछ नहिं किछ गड़बड़ त जरूर अछि. गाम-घर जाए के मनो रहत मुदा गाड़ी के भीड़ देखि... रेलम-ठेल देखि जाए के मन नहिं करैत अछि. आब देखु एहि सभ मे किछ सुधार होएत अछि कि नहि. ओना ओ कहलथिन्ह जे ई जनता के रेल बजट होएत.
Ki Hoyet. Pahle Litti Chokha.....Ab Maachh Bhaat. Maithil Log Ke Ta Dunno Haath Me Laddu Chai.
जवाब देंहटाएंNikhiL AnanD