नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राजनगर मे अति पिछड़ा महासम्मेलन

मधुबनी जिला के राजनगर मे 20 दिसम्बर के अति पिछड़ा महासम्मेलन भs रहल अछि. उम्मीद अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारजी सेहो एहि सम्मेलन मे शामिल होएताह. सम्मेलन के लs क जोर-शोर सं तैयारी चलि रहल अछि. लोक सभ जनसम्पर्क अभियान मे सेहो लागल छथिन्ह. राज्य के मंत्री सभ सेहो सम्मेलन के सफल बनाबय लेल जुटल छथिन्ह. सम्मेलन मे एहन लोक सभ सेहो जुटल छथिन्ह जे अति पिछड़ा वर्ग सं नहिं छथिन्ह. सत्ताधारी पार्टी के नेता सभ जी-जान लगएने छथिन्ह. सम्मेलन के लs क कोनो कोर कसर नहिं छोड़ि रहल छथिन्ह. पार्टी के महिला नेता सभ सेहो घर-घर जाs क न्योत द रहल छथिन्ह सहासम्मेलन के सफल बनाउ आ नीतीशजी के हाथ मजबूत करु. नीतीशजी पंचायत चुनाव मे महिला के 50 प्रतिशत आरक्षण देबय के हिम्मत जुटा पएलखिन्ह. एकर फायदा सेहो भेल. पंचायत चुनाव मे गाम-घर से महिला सभ बढ़ि-चढ़ि कs हिस्सा लेलखिन्ह. लोकतंत्र के लेल ई नीक गप्प अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु